बज्जिकाञ्चल संवाददाता, रौतहट ।
गुजरा नगरपालिका भूमिहीन दलित, भूमिहीन सुकुम्बासी आ अव्यवस्थित बसोवासीके लगल संकलनसम्बन्धी कामके लेल स्थानीय तहमे गठन होखे वाला भूमि समस्या सहजीकरण समितिमे प्रतिनिधि पठावे खातिर राजनीतिक दल सभसे आग्रह कएले हए। नगरपालिकाके नगर कार्यपालिकाके कार्यालय, सिमराभवानीपुर असोज १२ गते जारी कएल पत्रमार्फत गुजरा नगर समितिमे रहल राष्टिूय मान्यता प्राप्त राजनीतिक दल सभके एक(एक गो प्रतिनिधि तोकके पठावेके अनुरोध कएल हए।

नगरपालिकाके प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत डम्बरू दाहालके हस्ताक्षर रहल पत्रमे भूमिहीन दलित, भूमिहीन सुकुम्बासी आ अव्यवस्थित बसोवासीके लगत संकलनसम्बन्धी कार्यविधि, २०८३ के दफा ४ के उपदफा ९१० अनुसार स्थानीय स्तरके भूमि समस्या सहजीकरण समितिमे राष्टिूय मान्यता प्राप्त राजनीतिक दलले खटएले एक जना प्रतिनिधि रहेके व्यवस्था रहल उल्लेख कएल गेल हए। नगरपालिका राष्टिूय स्वतन्त्र पार्टी, नेपाली कांग्रेस, नेकपा (एमाले), नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी, श्रम संस्कृति पार्टी, राष्टिूय प्रजातन्त्र पार्टी, जनता समाजवादी पार्टी आ आम जनता पार्टीके गुजरा नगर समितिसे प्रतिनिधि तोकके पठावेके आग्रह कएले हए।

पत्रमे सम्बन्धित राजनीतिक दल सभले प्रतिनिधिके नाम आ सम्पर्क नम्बर खुलाके आधिकारिक पत्रमार्फत तीन दिनभित्र नगरपालिकाके सूचना प्रविधि शाखामे पठावेके कहल गेल हए। भूमिहीन दलित, भूमिहीन सुकुम्बासी आ अव्यवस्थित बसोवासीके लगल संकलन तथा भूमि समस्या समाधानसम्बन्धी प्रक्रिया स्थानीय तहमे राजनीतिक दल सभके सहभागितासहित आगे बढावेके उद्देश्यसे प्रतिनिधि माँगल गेल नगरपालिका जनएले हए।

