रामअधार यादव, रौतहट, असिन ८ गते ।

रौतहटके वृन्दावन नगरपालिका(८ मे सडक, खानेपानी, सिँचाइ, धार्मिक आ सामाजिक पूर्वाधारके क्षेत्रमे बडका स्तरपर विकास निर्माणके काम भेल हए ।

वडामे अधिकांश आयोजना पूरा होचुकल हए जबकि कुछ आयोजना अभि निर्माणाधीन अवस्था मे रहल हए । वडाध्यक्ष रविन्द्र प्रसाद साहके अनुसार बहुअरी गाव बरगजवा टोल आ आँकडपाथर गाव संघे प्रदेश आ स्थानीय तहके विभिन्न बजेटमार्फत करीब १५ करोड ९० लाख रुपैया बराबरके विकास आयोजना सञ्चालनमे रहल हए ।

करीब २ हजार ६ सय मतदाता रहल ई वडामे वडाध्यक्ष साहके पहलमे सडक ढलान, नाला निर्माण, खानेपानी ट्यांकी, तटबन्ध, मन्दिर तथा धर्मशाला निर्माण, कृषि विद्युतीकरण लगायतके काम आगा बढावल गेल वडा कार्यालय जनएले हए ।

बहुअरीमे सडकसे धर्मशाला धरि बहुअरी गावमे सडक, नाला, धर्मशाला आ धार्मिक संरचना निर्माणके लेल ३ करोड ९१ लाख रुपैयासे बेसी बजेट परिचालन कएल गेल हए । नगरस्तरीय बजेटसे ४० लाख रुपैयाके लागतमे पिपरिया घाटसे रामबाबू कानूके मन्दिर धरि रहल जीर्ण सडकमे माटी भरल गेल हए ।

प्रदेश सरकारके १६ लाख रुपैयासे सडक स्तरोन्नति कएल गेल हए जबकि ३० लाख रुपैयाके लागतमे सफुरके घरसे सडक ढलानके काम सम्पन्न भेल हए । एअी लेखा नगरस्तरीय ३० लाख रुपैयाके बजेटमे मठसे नारद साहके घर धरि सडक ढलान, १७ लाख रुपैयामे बन्हु रामके घरसे छठु हजराके घर धरि पूर्वाधार निर्माण तथा २२ लाख रुपैयाँके लागतमे छठु हजराके घरसे लक्ष्मी रायके घर तक सडक ढलान आ नाला निर्माण कएल गेल हए ।

 

वडा बजेटसे सेहो २२ लाख रुपैयामे सडक ढलान आ नाला निर्माण कएल गेल हए । अन्य सडक आ नाला निर्माणके लेल रामाकान्त साहके घरसे भुलानी साहके घर धरी २१ लाख, चन्देश्वरके घरसे उपेन्द्र यादवके घर तक १० लाख, हरिन्दर साहके घरसे बिनोद रामके घर धरि ८ लाख, बिक्रम महाराके घरसे रामकिशुन पंडितके घर धरि १० लाख तथा रामकिशुनके घरसे चुल्हाई चौरसियाके घर तक ८ लाख रुपैया खर्च कएल गेल वडा कार्यालय जनएले हए । एही लेखा सरेयाम साहके दोकानमे तरहारी नदी धरि १२ लाख रुपैयाके लागतमे सडक ग्राभेल कएल गेल हए । रामके घरसे छठु हजराके घर धरि पूर्वाधार निर्माण तथा २२ लाख रुपैयाँके लागतमे छठु हजराके घरसे लक्ष्मी रायके घर तक सडक ढलान आ नाला निर्माण कएल गेल हए । वडा बजेटसे सेहो २२ लाख रुपैयामे सडक ढलान आ नाला निर्माण कएल गेल हए । अन्य सडक आ नाला निर्माणके लेल रामाकान्त साहके घरसे भुलानी साहके घर धी २१ लाख, चन्देश्वरके घरसे उपेन्द्र यादवके घर तक १० लाख, हरिन्दर साहके घरसे बिनोद रामके घर तक ८ लाख, बिक्रम महाराके घरसे रामकिशुन पंडितके घर धरि १० लाख तथा रामकिशुनके घरसे चुल्हाई चौरसियाके घर तक ८ लाख रुपैया खर्च कएल गेल वडा कार्यालय जनएले हए । एही लेखा सरेयाम साहके दोकानमे तरहारी नदी धरि १२ लाख रुपैयाके लागतमे सडक ग्रेबल कएल गेल हए ।