बज्जिकाञ्चल संवाददाता, रौतहट, असिन, ९ गते
दोहरा हत्याकाण्डमे संलग्न रहल आरोपमे प्रहरी मुख्य अभियुक्तके १९ वर्षबाद पहिचान कएले हए । अपहरण तथा शरीर बन्धक आ सङ्गठित अपराधसम्बन्धी मुद्दामे सजाय भुक्तान करईत जिल्ला कारागार रौतहटमे रहल तत्कालिन तराई जनतान्त्रिक मुक्ति मोर्चालगायत भूमिगत संगठनमे आबद्ध तथा सक्रिय रहल साबिक पोठियाही गाविस–८, अभि गरुडा नगरपालिका–६ के बारुद सिंह नामके सुरेन्द्र प्रसाद यादव दोहरा हत्याकाण्डमे संलग्न रहल खुलल प्रहरी जनएले छत ।

२०६४ साल वैशाख ३१ गते रात करिब १ बजे रौतहटके साबिक धर्मपुर गाविस–१, हाल गढीमाई नगरपालिका–६ मे अज्ञात व्यक्ति आ समूह गोली प्रहार करके दु जनाके हत्या कएले रहे । गोली प्रहारसे साबिक पिपरिया दु गाविस–३, हाल गरुडा नगरपालिका–७ के ३२ वर्षीय नागेन्द्र बैठा आ साबिक गेड्हीगुड्डठ्ठी गाविस–९, हाल गरुडा नगरपालिका–२ के २८ वर्षीय प्रमानन्द सहनीके मृत्यु भेल हए ।
घटनाबाद लमहर समयसे जारी अनुसन्धानके क्रममे हत्यामे मुख्य संलग्नता यादवके रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहटके प्रहरी नायब उपरीक्षक एवं सूचना अधिकारी वसन्त गौतम बतएले छत । हुनके अनुसार वारदात भेल करिब १९ वर्षबाद अभियुक्तके पहिचान खुललाबाद घटनासम्बन्धी थप अनुसन्धान अगाडी बढएले हए । न्यूज अफ नेपाल

