रामअधार यादव , रौतहट, असिन ४ गते ।

रौतहटके कटहरियासे प्रसारण होईत आएल बज्जिकाञ्चल एफएम ८९.२ मेगाहर्जके ‘पुरस्कार पाँच सय’ कार्यक्रमके विजेता कटहरिया नगरपालिका–१ झौवा निवासी ललन कुमार यादवके ५ सय रुपैया पुरस्कार प्रदान कएल गेल हए ।

ज्ञान आ शिक्षासे सम्बन्धित विषयमे गतिविधि सञ्चालन होईत आएल उक्त कार्यक्रमके विजेता यादवके शनिचरके एक कार्यक्रमके बीच बज्जिकाञ्चल एफएमके स्टेशन म्यानेजर सागर संगम ठाकुर आ कार्यक्रम प्रस्तोता सुर्य यादव संयुक्त रूपसे पुरस्कार प्रदान कएलन ।

पुरस्कार पाँच सय’ कार्यक्रम कार्यक्रम प्रस्तोता भैरोलाल महतोके सञ्चालनमे प्रत्येक शनिचरके दुपहर ३१५ बजेसे ४ बजेतक प्रसारण होइत आएल हए । ज्ञानमे आधारित ई कार्यक्रम विद्यार्थी तथा युवाके ज्ञान, क्षमता आ प्रतिभाके पहिचान करके ओकनीके प्रोत्साहित करेके उद्देश्यसे सञ्चालन कएल गेल बज्जिकाञ्चल एफएमके प्रबन्ध निर्देशक सरिता कुमारी श्रीवास्तव जानकारी देलन ।

कार्यक्रममे विजेताके देल जाएवाला पुरस्कारके व्यवस्थापन मावि उचिडिके प्रधानाध्यापक मुक्ति प्रसाद कुशवाहा आ श्री कोपिला प्रावि भसेढवाके प्रधानाध्यापिका सुशीला कुशवाहा करईत आएल हए । शिक्षा तथा ज्ञानसे सम्बन्धित कार्यक्रममे उत्कृष्ट प्रदर्शन करेवाला प्रतिभाके प्रत्येक शनिचरके ५ सय रुपैया पुरस्कार प्रदान कइत आएल एफएमके सञ्चालक सरिता कुमारी श्रीवास्तव बतएलन ।

कार्यक्रमके विजेता यादव पुरस्कार प्राप्त कएला पर खुशी व्यक्त करईत कहलन कि इ ज्ञानवर्धक कार्यक्रमसे अपना ज्ञानके परीक्षण करेके मौका मिलेला आ आउर मेहनत करेके उत्साह बढल ।

बज्जिकाञ्चल एफएम शिक्षा, ज्ञान तथा प्रतिभा प्रवर्द्धनके प्राथमिकतामे रखेके सञ्चालन करइत आएल ‘पुरस्कार पाँच सय’ कार्यक्रम स्थानीय विद्यार्थी तथा युवामे प्रतिस्पर्धात्मक भावना विकास करेके साथे आपन ज्ञानके परीक्षण करेके अवसर प्रदान करईत आएल हए ।

कार्यक्रममार्फत उत्कृष्ट प्रदर्शन करेवाला प्रतिभाके निरन्तर सम्मान तथा प्रोत्साहन कएल जाएत, बज्जिकाञ्चल मिडिया प्रालिके सञ्चालक सरिता कुमारी श्रीवास्तव जानकारी देलन ।