रौतहट के कटहरिया नगरपालिका–३ उत्तरवारी बडेरवा आ बिर्ती प्रष्टोका क्षेत्रमे शिक्षा, सडक, खानेपानी, कृषि आ सार्वजनिक पूर्वाधार विकास के काम गति लेरहल हए । कार्यपालिका सदस्य तथा उत्तरवारी बडेरवा निवासी मनोज जयसवाल के पहल, समन्वय आ सक्रियतामे वडा क्षेत्रमे विभिन्न विकास निर्माण के योजना सञ्चालन आ सम्पन्न भेल हए ।
नगरस्तरीय बजेट तथा नगर प्रमुख अजय प्रकाश जयसवाल के सहयोगमे वडाके प्राथमिकता प्राप्त क्षेत्रमे बजेट परिचालन कके विकास के काम आगे बढ़ावल गेल कार्यपालिका सदस्य जयसवाल बतएलन । हुनके अनुसार वडाके स्थानीय आवश्यकता पहिचान कके शिक्षा, सडक, खानेपानी, कृषि आ सार्वजनिक पूर्वाधार के प्राथमिकता देलगेल हए ।
शिक्षामे ५५ लाख के कामशिक्षा विकास तथा मानवस्रोत के सहयोग आ नगरपालिकाके सहकार्य मे श्री प्राथमिक विद्यालय के भवन निर्माण तथा शैक्षिक विकास खातिर करीब ५५ लाख रुपैया बराबर के काम कएलगेल जयसवाल जानकारी देलन । विद्यालयमे आवश्यक भौतिक संरचना निर्माण तथा शैक्षिक वातावरण सुधार खातिर अपने विशेष पहल कएलगेल बतएलन हुन शिक्षक अभाव रहल विद्यालयमे शिक्षक व्यवस्थापन खातिर सेहो पहल कएलगेल बतएलन ।शिक्षा समितिके संयोजक के जिम्मेवारी सम्हारेके बाद नगरपालिकासँद्दे समन्वय कके नगरसँ तलब–भत्ता पावे वाला विभिन्न विद्यालयमे २४ जना शिक्षक नियुक्त कएलगेल हुनकर दाबी हए ।
शिक्षक अभाव रहल विद्यालयमे जनशक्ति थपला के बाद नियमित पठनपाठनमे सहजता आएल हुनकर कहनाम हए । सडक आ कल्भर्ट निर्माणमे जोरवडा नम्बर ३ मे सडक पूर्वाधार विकासके सेहो प्राथमिकता देहल गेल हए । नगरस्तरीय बजेटसँद्दे विभिन्न स्थानमे सडक ढलान, स्तरोन्नति तथा कल्भर्ट निर्माण के काम आगे बढ़ावल गेल जयसवाल बतएलन । हुनके अनुसार वडाके विभिन्न स्थानमे करीब ३० लाख रुपैया बराबर के सडक ढलान, मठसँद्दे अगाडि सडक ढलानके लेल १० लाख रुपैया तथा बडेरवासँद्दे बिर्ती जाए वाला सडकमे ढलान आ कल्भर्ट निर्माण के लेल १०–१० लाख रुपैया खर्च कइल गेल हए । बडेरवा आ बिर्तीके बीच निर्माण भेल कल्भर्टसँद्दे स्थानीय बासिन्दाके साथे आसपासके ४–५ गावके किसानके सेहो प्रत्यक्ष राहत मिलल हए ।
खास कके उखके ढुवानी तथा दैनिक आवेजाएमे समस्या रहल उक्त क्षेत्रमे कल्भर्ट निर्माणके बाद आवागमन सहज भेल जयसवाल बतएलन । ओही लेखा बडेरवासँ हर्षाहा जाए वाला सडक स्तरोन्नति, चौतारा निर्माण तथा सडक ढलानके काम सेहो आगे बढ़ावल गेल हए । कटहरिया मेनरोडसँद्दे हर्षाहा जाए वाला सडक स्तरोन्नति तथा विभिन्न सडक ढलानके लेल करीब २० लाख रुपैया बराबर के काम कएलगेल हुनकर कहनाम हए । वडाके सात गो अलग–अलग सहायक सडक सेहो ढलान कइल गेल जयसवाल बतएलन ।
किसान आ खानेपानीके सेहो प्राथमिकताकृषि क्षेत्रके प्रोत्साहन तथा किसानके आवश्यक सहयोग उपलब्ध करावेके उद्देश्यसँद्दे वडा क्षेत्रके किसानके २३० गो स्प्रे ट्यांकी वितरण कएलगेल जयसवाल जानकारी देलन । स्वच्छ खानेपानीके पहुच विस्तारके दिशा मे सेहो काम आगे बढ़ावल गेल हए । वडाके विभिन्न स्थानमे १०० गो हेडपाइप जडान कएलगेल तथा बिर्ती टोलमे सेहो खानेपानी सेवाके लेल हेडपाइप जडान कएलगेल हुन बतएलन ।
उज्यालो अभियान आ वातावरण संरक्षणवडाके उज्यालो बनावेके उद्देश्यसंद्दे विभिन्न स्थानमे तीन गो टावर लाइट जडान कएल गेल जयसवाल बतएलन । ओही लेखा वातावरण संरक्षण तथा हरियाली प्रवद्र्धनके लेल वन बचाऊ, बिरुवा लगाऊ अभियान सञ्चालन कएल गेल हए ।
अभियान अन्तर्गत गावमे हजारन के संख्या मे बिरुवा वितरण तथा वृक्षारोपण कएल गेल हुनकर कहनाम हए । निर्वाचित होखेसे पहिलेसे विकासमे सक्रिय रहल दाबीकार्यपालिका सदस्यमे निर्वाचित होखेसे पहिलेसे अपन वडा क्षेत्रके विकास निर्माणके काममे सक्रिय रहल जयसवाल बतएलन । हुनके अनुसार करीब ५ लाख रुपैया के लागतमे चौतारा निर्माण, सुरेन्द्र ठाकुरके मिलसँद्दे हर्षाहा जाए वाला नयाँ सडक निर्माण, बडेरवा कालोपत्र सडकसँद्दे पूर्व हथियाही जाए वाला नयां सडक निर्माण तथा विभिन्न सहायक सडकमे ग्राभेल करेके काम कएल गेल रहे ।
वर्षायाममे सडकमे खाल्डाखुल्डी पड़ला के कारण आवतजावतमे समस्या होखे तथा सडक आसपास बसोबास करे वाला करीब ५० घरधुरी लमहर समयसे समस्या भोग रहल हुन बतएलन । सडक स्तरोन्नति तथा मर्मतके बाद स्थानीयके आवतजावतमे सहजता आएल जयसवालके कहनाम हए । स्थानीय बासिन्दाके विश्राम तथा सार्वजनिक स्थलके संरक्षण लेल विभिन्न स्थानमे चौतारा निर्माणके सेहो प्राथमिकता देलगेल हुन बतएलन । जनता के आवश्यकता अनुसार विकासके निरन्तरता देवेके प्रतिबद्धताकार्यपालिका सदस्य जयसवाल वडा नम्बर ३ के समग्र विकास खातिर सडक, शिक्षा, खानेपानी, कृषि तथा सार्वजनिक पूर्वाधारके मुख्य प्राथमिकतामे राखके काम आगे बढ़ावल जा रहल बतएलन ।
वडाके विकासके लेल स्थानीय आवश्यकता आ जनता के मागके प्राथमिकतामे राखके काम कर रहल हए जयसवाल कहलन, “आगामी दिनमे सेहो जनता के आवश्यकता आ मागके आधार पर विकास निर्माणके कामके निरन्तरता देरहल हए । हुन वडा तथा नगरपालिकाबीचके समन्वयके अवरी प्रभावकारी बनाके बांकी रहल विकासके आवश्यकता क्रमशः पूरा करत जाएके प्रतिबद्धता व्यक्त कएलन ।

