ओमप्रकाश यादव, लहान, भादो, १९ गते

लहान, भदौ १९ । रसुवामे आइल विनाशकारी बाढीमे अपन नागरिक गुमएले सप्तरीके खडक नगरपालिकासे बाढी प्रभावित परिवारके राहत आ सहयोग करेके निर्णय कएले हए । नगर प्रमुख जयप्रकाश चौधरीके विशेष पहलमे बइठल नगर कार्यपालिकाके बैठकसे रसुवा बाढीपीडितके लेल प्रधानमन्त्री राहत कोषमे ३ लाख रुपियाँ जमा करेके आ खडक नगरपालिकाके प्रभावित ९ परिवारके जनही १ लाख रुपियाँके दरसे राहत देवेके निर्णय कएल गेल हए ।

नगरपालिकाके निर्णयअनुसार प्रधानमन्त्री राहत कोषमे जमा होखे वाला ३ लाख रुपियाँ नगरपालिकाके सभ जनप्रतिनिधि जनही ५ हजार रुपियाँके दरसे सहयोग करेके जुटएले हए। ओईसही  रसुवा बाढीसे प्रभावित खडक नगरपालिकाके ९ नागरिकके परिवारके विपद् व्यवस्थापन कोषसे ९ लाख रुपियाँ राहत देवेके । एह हिसाबसे नगरपालिकासे कुल १२ लाख रुपियाँ सहयोग करेके निर्णय भेल हए ।

रोजगारीके सिलसिलामे रसुवा गेल खडक नगरपालिकाके नागरिक भीषण बाढीमे फँसल रहे । नगरपालिकाके अनुसार प्रभावित ९ जनामे चार गो त्रिशूली हाइड्रोपावर–३ ए मे लेबरके काम करईत रहे । अनिल चौधरी एकाउन्टके काममे रहल रहे आ अन्य दुई गो ड्राइभरके काम करत रहे। एक महिला त्रिशूली बजारमे डेरा लेके रहत रहलीन। बाढीके समय उहाँके श्रीमान् भागके आपन जान बचावे मे सफल भेल।

बाढीमे परके खडक नगरपालिका–५ निवासी सन्तोष चौधरीके मृत्यु  पुष्टि भेल हए । उनकर शव घर लिआके अन्त्येष्टि समेत होगेल   नगरपालिकासे जानकारी देले हए । बाँकी प्रभावित परिवार अपन आफन्तके अवस्था, भेल क्षति आ आगेके भविष्यके चिन्तामे रहल हए ।

नगर प्रमुख जयप्रकाश चौधरी कहनाम बा कि प्राकृतिक विपत्तिसे नागरिकके घरमे पहुँचल पीडा खाली सम्बन्धित परिवारके मात्र नहोके, ई स्थानीय सरकारके भी पीडा हए। विपद्के समय पीडित परिवारके तत्काल राहत आ आवश्यक सहयोग देल स्थानीय सरकारके दायित्व रहल कहइत अपन नगरपालिकासे अपन क्षमताअनुसार पीडित परिवारके सहयोग करेके नीति लिआबेके जानकारी देले हए ।

खडक नगरपालिकासे प्रभावित ९ परिवारके प्रत्येक जना के १ लाखके दरसे ९ लाख रुपियाँ विपद् व्यवस्थापन कोषमेसे उपलब्ध करावे। साथै राष्ट्रिय विपद्के समय राज्यके राहत अभियानमे सहयोग पुर्‍यावेके उद्देश्यसे ३ लाख रुपियाँ प्रधानमन्त्री राहत कोषमे जमा करके  तयारी कएले हए ।

ै

नगरपालिकासे आवश्यक कागजी प्रक्रिया पूरा कके राहत वितरणके काम आगू बढावेके तयारी भेल जानकारी देले हए । रसुवा बाढीसे भेल मानवीय क्षतिसे शोकमे रहल परिवारके लेल ई राहत तत्काल पूरा समाधान नहोके, बाकिर स्थानीय सरकार दुःखके समय पीडितके साथमे रहल सन्देश देवेके प्रयासके रूपमे देखल जा रहल हए ।