बज्जिकाञ्चल एफएम संवाददाता,रौतहट भदौ १६ गते
रौतहटके कटहरियासे प्रसारित बज्जिकाञ्चल एफएम ८९.२ मेगाहर्ज मंगर श्रोतासँद्दे अन्तरक्रिया तथा चायपानी कार्यक्रम सम्पन्न कएले हए ।

कटहरिया बजारसे विगत चार महिनासे नियमित प्रसारणमे आएल रेडियो आयोजना करके कार्यक्रममे स्थानीय श्रोता, नागरिक समाजका प्रतिनिधि आ सञ्चारकर्मीसबके सहभागिता रहल हए ।

कार्यक्रममे रेडियोके सञ्चालक राजु कुमार श्रीवास्तव प्रसारण होरहल समाचार, सूचना तथा मनोरञ्जनात्मक कार्यक्रमसबके प्रभावकारिता आ भावी योजनाबारे जानकारी कराबेके हए ।
हुन आगामी दिनमे रेडियोके अभि बेसी जनमुखी आ स्थानीय भाषा–संस्कृतिके प्रवद्र्धनमे केन्द्रित करेके प्रतिबद्धता व्यक्त कएलन ।
हमनीके विशेषकरके बज्जिका भाषा, स्थानीय संस्कृति आ कटहरिया क्षेत्रके ओझलमे परल समाचारके प्राथमिकता देइत आएल हए कार्यकारी निर्देशक श्रीवास्तव कहलन ‘श्रोतासबके सल्लाह आ सुझाव हि हमरा लेल मुख्य मार्गदर्शन हए ।![]()
कार्यक्रममे बोलइत मधेस रेडियो श्रोता संघेके अध्यक्ष रामबाबु साह रेडियो संक्षिप्त समयमे स्थानीय श्रोतासबके मन जितेमे सफल भेल बतएलन ।

रेडियोसे प्रसारित कार्यक्रमसब खोजमूलक, मनोरञ्जनात्मक आ सूचनामूलक हए अध्यक्ष साह कहलन ‘स्थानीय सरोकारके मुद्दाके प्राथमिकता देबेके कारण इ रेडियो छोट समयमे आपन विशिष्ट पहिचान बनाबेमे सफल भेल हए ।

अन्तरक्रियामे सहभागी अन्य श्रोतासब रेडियोके प्राविधिक गुणस्तर सुधार, स्थानीय मुद्दासबके उठान आ ग्रामीण क्षेत्रतक पहुँच विस्तार करेकेपरी जोड देले हए । उ अवसरमे मधेश रेडियो श्रोता संघके प्रतिनिधिसब एफएमके निरन्तर प्रगति आ उज्ज्वल भविष्यके कामना समेत कएलन ।

सांगीतिक कार्यक्रमके साथे,स्थानीय उत्पादन, कृषि, शिक्षा आ स्वास्थ्यके विषयमे नियमित अन्तरक्रियात्मक कार्यक्रम सञ्चालन करेके श्रोतासब आग्रह कएले हए । एफएम सञ्चालक समिति श्रोतासबके सकारात्मक प्रतिक्रिया आ सुझावके आत्मसात करइत आगामी प्रसारणके अभि परिस्कृत लेजाएके जनावलगेल हए ।

इ अवसरमे संघके सचिव रामसेवक ठाकुर,संस्थापक विरेन्द्र ठाकुर,कोषध्यक्ष गोबिन्द ठाकुर,पुनित ठाकुर लगायत संघमे आबद्ध श्रोतासब आ बज्जिकाञ्चल एफएममे कार्यरत कर्मचारीसबके सहभागिता रहल रहे ।

