राजेश निर्माणी रौतहट, १ भदौ — 

रौतहटके वृन्दावन नगरपालिका–८ मे नवनिर्मित वडा कार्यालय भवनके उद्घाटन कएलगेल हए । आपन भवन निर्माण भेलाबाद वडासे नागरिकके सेवा प्रवाह करेके सहज भेल नगर प्रमुख विनोदप्रसाद कुर्मी बतएले हए । करिब ६० लाख रुपइयाँके लगानीमे निर्माण कएले एकत उक्त भवनमे सभा हल, स्टोर कोठा, प्राविधिक कोठा, कार्यालय सचिवके कोठा, वडा अध्यक्षके कार्यकक्ष, दुगो शौचालय, बाथरुमलगायत करके सातगो सुबिधसम्न्न कोठा रहल हए ।औ

भवन निर्माणबाद वडा कार्यालयके सेवा प्रवाह अभि व्यवस्थित आ प्रभावकारी होएके अपेक्षा कएले हए । उद्घाटन समारोहमे बोलइत नगर प्रमुख कुर्मी इअगाडि वडा कार्यालयके आपन भवन नभेलासे दोसर संस्थाके महिला विकास भवनसे सेवा देबेकेपरी अवस्था रहल स्मरण कएलन । आपन भवन निर्माण करके सेवा सञ्चालन करेके पाएले आपन कार्यकालके महत्वपूर्ण उपलब्धि भेल हुनकर कहनाम हए । उक्त कार्यक्रममे बोलइत वडा अध्यक्ष रवीन्द्रप्रसाद साह आपनसब निर्वाचित भेलासे वडा नम्बर ८ मे विकासके लहर चलल बतएलन । हुनके अनुसार वडा नम्बर ८ अन्तर्गत बहुअरी, बरगजवा आ आँकपाडथर गाउँसमेत समेटेर करिब १४ करोड रुपइयाँ बराबरके विकास निर्माणके काम सम्पन्न होसकल हए ।

हुन उक्त कार्य सम्पन्न करके सहयोग करेके नगर प्रमुखलगायत सबप्रति धन्यवाद व्यक्त करइत आगामी दिनमे भि साथ आ सहयोगके अपेक्षा कएलन । हुन वडा नम्बर ८ मे शिक्षा, स्वास्थ्य, खानेपानी, सडक, नाला, ढलान, सामुदायिक भवन, मन्दिर, मस्जिद, छठघाट निर्माण तथा सौन्दर्यीकरण, दलित धर्मशाला निर्माणलगायतके पूर्वाधार निर्माणके प्राथमिकता देले बतएलन । नगर प्रमुख कुर्मीके अनुसार उहे नवनिर्मित वडा कार्यालय लगके कम्पाउन्डभित्रै परेबाला खानेपानी योजनाके लेल करिब ४ करोड ७८ लाख रुपइयाँ बराबरके काम होरहल हए । योजनाअन्तर्गत दुगो बोरिङ निर्माण होसकल हए जबकि करिब ५ सय फिट गहिराइसे पानी निकालेके व्यवस्था कएले हुन जानकारी देलन । खानेपानी आयोजना सम्पन्न भेलाबाद वडाके करिब ४ हजार घरधुरी लाभान्वित भेल हुनकर दाबी हए ।

हुन वडा क्षेत्रमे सडक तथा ढलान निर्माणके साथे सार्वजनिक स्थलके संरक्षण आ विकासमे समेत बजेट लगानी कएले बतएलन । वडा क्षेत्रमे रहल धार्मिक तथा सांस्कृतिक स्थलके संरक्षण करइत आवश्यक पूर्वाधार निर्माणके निरन्तरता देले हुनकर कहनाम हए । नगर प्रमुख कुर्मी शिव मन्दिर निर्माणके लेल जग्गा व्यवस्थापन तथा कम्पाउन्ड वाल निर्माणके काम अगाडि बढाबेके जानकारी देलन । इ वर्ष मन्दिरके निर्माणके समेत पूर्णता देबेके लक्ष्य रहल हुन बतएलन ।

उक्त कार्यक्रममे प्रमुख अतिथिके रूपमे नगर प्रमुख विनोदप्रसाद कुर्मी रहल रहे जबकि कार्यक्रमके अध्यक्षता वडा अध्यक्ष रवीन्द्रप्रसाद साह कएले रहे । विशिष्ट अतिथिके रूपमे वृन्दावन नगरपालिका वडा नम्बर ९ के वडा अध्यक्ष प्रवेज आलम रहल रहे । अइसहि अतिथिके रूपमे प्रहरी चौकी बिर्ताके असई खिमराज चौधरी, कार्यपालिका सदस्य राजेशकुमार पासवान, दलित महिला सदस्य लालपरी देवी, वडा सदस्य श्रीनन्दन यादव, समाजसेवी हरिनारायण पटेल, प्रेम राउत, छोटेलाल साकलवार, सौदागर साह, भोला पटेल, राजेन्द्र पटेललगायत स्थानीय भद्रभलाद्मी तथा नगरपालिकाके कर्मचारीसबके उपस्थिति रहल रहे ।

 

नगर प्रमुख कुर्मी आपन कार्यकालमे भेल विकास निर्माणके काम जनतासामु प्रत्यक्ष देखले अगाडि बढरहल दाबी करइत बाँकी रहल योजनाके भि क्रमशः पूरा करइत जाएबाला प्रतिबद्धता व्यक्त mकएलन।‘ २०७९ के स्थानीय तह निर्वाचनमे जनता देले जिम्मेवारीके जनप्रतिनिधिके रूपमे पूरा करेके प्रयास कररहल हए हुन कहलन ‘जनताके सेवकके रूपमे काम करइत वडाके सुविधासम्पन्न बनाबेके हमर लक्ष्य हए ।