बज्जिकाञ्चल दैनिक,रौतहट,सावन २० गते
सरकार, गृह, सञ्चार तथा कानून मन्त्रालयअन्तर्गतके आमसञ्चार प्राधिकरण दर्ता भेल अभितक नवीकरण होए नसकल अनलाइन सञ्चारमाध्यमके प्रमाणपत्र नवीकरण करेके आग्रह कएले हए ।
आमसञ्चार प्राधिकरणका निमित्त प्रशासकीय प्रमुख सन्तोष कुमार साहद्वारा जारी सूचनाअनुसार प्रदेश सरकार प्रदेश सञ्चार नियमावली, २०७७ के तीसर बेर संशोधन करके सावन ७ गते प्रदेश राजपत्रमे प्रकाशित कएले हए ।
संशोधित नियमावलीअनुसार नवीकरण होएके बाँकी रहल अनलाइन सञ्चारमाध्यम अनुसूची–६ बमोजिमके ढाँचामे निवेदन पेश करेके व्यवस्था कएले हए । नवीकरणके लेल आमसञ्चार प्राधिकरणके राजस्व खाता नम्बर १४२५३ राष्ट्रिय वाणिज्य बैंक, कार्यालय कोड नम्बर ३१४००१७१४२ मे तोकल दस्तुर जम्मा करेके सूचनामे उल्लेख हए ।
अइसहि करके आर्थिक वर्ष २०८२आ०८३ के कर चुक्ता प्रमाणपत्र, मूल्य अभिवृद्धि कर भ्याट मे दर्ता भेल सञ्चारमाध्यमके हकमे लेखापरीक्षण प्रतिवेदनसमेत पेश करेके व्यवस्था कएलगेल हए । आमसञ्चार प्राधिकरण सम्बन्धित सब अनलाइन सञ्चारमाध्यमके आवश्यक कागजातसहित यथाशीघ्र प्रमाणपत्र नवीकरण कराबेके अनुरोध कएलगेल हए ।

