बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट,१६ गते वैशाख ।
जिला प्रशासन कार्यालय रौतहट सभी पालिकासे अधिकार ही नरहल विषयमे सिफारिश नकरेला अनुरोध कएले हए । भारतसे खरिद कके लेआबेवाला खाद्यवस्तु, लत्तकपडा, भाँडावर्तन, फर्निचर तथा इलेक्ट्रोनिक्स जइसन विभिन्न सामग्री भारतीय बजारसे खरिद कके लेअएलापर राजस्व छुट तथा बिना भन्सार लेआबेला विभिन्न स्थानीय तह तथा वार्डसे सिफारिश होइत आएल हए ।
अइसन सिफारिशप्रति जिला प्रशासन कार्यालयके गम्भीर ध्यानाकर्षण भेल जनबइत गैर कानुनी परिपत्र वा सिफारिश पत्र नकरेला चाहे नकराबेला सभीके सचेत कराएलगेल हए । ओइसन गैरकानुनी तथा अपना अधिकारमे ही नरहल विषयमे सिफारिश पत्र जारी कएलासे राज्यके क्षति होएलापर सिफारिशकर्ताके प्रचलित कानुन बमोजिम कारवाही होखेके बेहोरा भी आदेशअनुसार अनुरोध कएलगेल हए ।
साथमे गौर भन्सार कार्यालयके भी कौनो भी स्थानीय तहसे ऐन नियमविपरीत राजस्व छुट तथा बिना रोकावट लेआबे देबेला कहलगेल लिखल सिफारिश पत्रके नमानेला भी कहलगेल हए । जिला प्रशासन कार्यालय रौतहटके प्रशासकीय अधिकृत रामनरेश रामके हस्ताक्षरमे सूचना जारी कएलगेल हए ।

