रामअधार प्रसाद यादब ,रौतहट,३० गते फागुन ।

बितल फागुन २१ गते सम्पन्न प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे रौतहटसे उमेदवार रहल १२८ जनेके जमानत जफत भेल हए । जिलाके चारो क्षेत्रसे मिलाके १४२ उमेदवार रहे जेमेसे १२८ जनेके जमानत जफत भेल जिला निर्वाचन कार्यालय रौतहट जनएले हए । रौतहटके चारो क्षेत्र मिलाके १४२ उमेदवार मध्ये १४ जनेके मात्र जमानत फिर्ता होखेके अवस्था रहल हए ।
रौतहट निर्वाचन क्षेत्र नम्बर १ के ३९ जने उमेदवारमे ३४ जनेके जमानत जफत भेल हए । अइसही क्षेत्र नम्बर २ के २६ जने उमेदवारमे २३ जनेके जमानत जफत भेल हए । रौतहट क्षेत्र नम्बर ३ के ४० जने उमेदवारमे ३७ जनेके जमानत जफत भेल हए । अइसही क्षेत्र नम्बर ४ के ३७ उमेदवारमे ३४ जनेके जमानत जफत भेल हए । जमानत जफत होखेमे पहिलेसे देशके प्रमुख राजनीतिक पार्टीके रुपमे स्थापित रहल दलके उमेदवार भी रहल छथिन । रौतहटके चारो निर्वाचन क्षेत्रसे ४ जनेके साथे सभी क्षेत्रसे मिलाके थप १० जने उमेदवारके प्रक्रिया पुगाके माग कएलापर नियमानुसार धरौटी रकम फिर्ता करेके जिला निर्वाचन कार्यालय रौतहटके प्रमुख छोटेलाल दास जानकारी करएले छथिन । कानुनी प्रावधानअनुसा कुल सदर भोटके १० प्रतिशत भोट लेआबे नसकेवाला उमेदवारके धरौटी रकम जफत होखेके व्यवस्था रहल जिला निर्वाचन कार्यालय रौतहटके प्रमुख दासके कहनाम हए ।