आरके श्रीवास्तव,राैतहट,कार्तिक ०९ गते ।
सूर्य उपासना तथा आस्था, श्रद्धा आ शुद्धताके प्रतीकके रूपमे मनाइने छठ पबनीके दुसरका दिन आई (ऐतबार) दिन देशभर ‘खरना’ विधि कएल जारहल हए । राैतहटलगायत तराई–मधेसके जिल्लामे भक्तजनसब घर–अगनमे शुद्धता कायम राखईत खरना पूजा सम्पन्न कररहल हए ।
खरना विधिअन्तर्गत उपासकसब दिनभरि निर्जला उपवास रहके सझिया सूर्य डुबलाके बाद समय दूध, गुड आ चाउरसे बनल खीर, रोटी (पुरी) लगायत प्रसाद चढाके पूजा करईअ । ओकराबाद प्रसाद ग्रहण करके चार दिनतक चलेबाला छठ पर्वके मुख्य विधि प्रारम्भ हाेईअ ।
राैतहटके कटहरिया,माैलापुर,फतुवा बिजयपुर,गढीमाइ, राजपुर, गौर, चन्द्रपुर, लगायतके जगहमे घाटसब, पोखरी आ नदी किनारमे विशेष सरसफाइ आ सजावट कएल गेल हए । स्थानीय युवा समूह आ धार्मिक समितिसब दीप, रंगोली, पण्डाल आ प्रकाश सजावटके तयारी पूरा कएले हए ।
साेमारके तेस्रो दिन, सोमबार, सझिया डुबरहल सूरूजके अर्घ्य देल जाईअ अन्तिम दिन, मंगरके सबेरे उगरहल सूरूजके अर्घ्य अर्पण करके छठ पर्व समापन कएलजाई ।
सुरक्षा व्यवस्था सुदृढ करेला स्थानीय प्रशासन प्रहरी परिचालन बढावल गेल हए । स्वास्थ्यकर्मी आ स्वयंसेवकसब भि घाट क्षेत्रमे तयारी अवस्थामे हए ।
राैतहटके विभिन्न धार्मिक स्थलसबमे अभि भक्तजनसब भि देखल जारहल हए । जेसे छठ पर्वके भक्तिपूर्ण आ उत्साहमय माहोल झलकईअ ।