रौतहट, ३ असोज ।
रौतहटके राजदेवी नगरपालिकाके गडहिया स्थित वागमती नदी किनारमे शुकरके सबेरे एक पुरुषके शव फेला परल हए । जिल्ला प्रहरीक कार्याएलय रौतहटके अनुसार, राजदेवी नगरपालिका–४ गडहिया स्थित वागमती नदीके डेगी वारिपारी करेबाला घाटमे आइ सबेरे ९ बजेके समयमे अन्दाजी ४० बर्षीय पुरुषके शव स्थानीय देखलाकेबाद प्रहरीके खवर कएलन ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय गौर आ स्थानीय प्रहरी युनिट वागमती नदीसे पुरुष व्यक्तके शव बाहर निकाललापर भि शवके पहिचान खुले नसकल हए । करिया रंगके भेष्ट आ करिया रंगके टठयाक लगएले उचाई ५ फिट ३ इन्च भेल तराई मुलके जइसन देखाइ देबेबाला पुरुषके शव रहल सूचना अधिकारी एवं डिएसपी राजु कार्की बतएलन ।
उक्त शव पहिचान करेबाला व्यक्ति प्रहरीके हटलाईन १०० मे तथा ९८५५०४०९९९ आ ९८५५०९०३७४ मे फोन करके सम्पर्क करेला सर्वसाधारणमे सुचना जारी करइत प्रहरी आवश्यक अनुसन्धान कररहल डिएसपी कार्की कहलन ।

