रामअधार यादव, रौतहट ५ गते।

रौतहटके मौलापुर नगरपालिका–७ सगैया आ पिपरियाके सिमानामे अवस्थित महकार पोखरी धार्मिक आस्था, सांस्कृतिक परम्परा आ पर्यटनके सम्भावना बोकले ऐतिहासिक स्थलके रूपमे परिचित हए ।

करिब आठ बिघा क्षेत्रफलमे फैलल ई पोखरी स्थानीय धार्मिक आ सांस्कृतिक पहिचानके संरक्षण करेके साथे पर्यटन विकासके सम्भावनासमेत बोकले हए । मौलापुर नगरपालिका–६ मे रहल श्री माध्यमिक विद्यालय पथरा बुधरामके नामसँघे जोडले महकार पोखरीके ऐतिहासिक आ सांस्कृतिक महत्त्व रहल हए । पोखरी स्थानीय समुदायके धार्मिक आस्था, परम्परा आ सामाजिक जीवनसँघे सम्बन्धित विविध पक्षके समेटले हए ।

विशाल क्षेत्रफलमे फैलल महकार पोखरीके व्यवस्थित रूपमे संरक्षण आ विकास करे सकल ई क्षेत्रके धार्मिक आ आन्तरिक पर्यटनके आकर्षक गन्तव्यके रूपमे स्थापित कर सकल सम्भावना हए।

पोखरीके ऐतिहासिक पहिचान जोगाबईत एकर सौन्दर्यीकरण, सरसफाइ, पर्यटकीय पूर्वाधार निर्माण आ प्रचारप्रसारमे ध्यान देबे सकल स्थानीय क्षेत्रके पर्यटन प्रवर्द्धनमे टेवा पुग सकईअ । धर्म, संस्कृति, आस्था आ पर्यटनके बहुपक्षीय महत्त्व बोकके महकार पोखरीके संरक्षण आ विकासके लेले स्थानीय तह, सरोकारवाला निकाय आ समुदायबीच सहकार्य आवश्यक देखईअ ।

उचित संरक्षण आ योजनाबद्ध विकासमार्फत महकार पोखरीके मौलापुर नगरपालिकाके महत्त्वपूर्ण धार्मिक आ पर्यटकीय सम्पदाके रूपमे अगाडी बढाबेके सकल सम्भावना रहल हए ।