रामअधार प्रसाद यादव , रौतहट, असोज १ गते।

रौतहटके ऐतिहासिक आ धार्मिक स्थल शिवनगरमे श्री नेपाल विश्वकर्मा लोहार संघ, रौतहटके आयोजनामे विश्वकर्मा पूजा, रक्तदान आ सम्मान कार्यक्रम भव्य रूपमे सम्पन्न भेल हए ।

संघके जिल्ला अध्यक्ष विवेक शर्माके अध्यक्षतामे सम्पन्न कार्यक्रममे गरुडा नगरपालिकाके नगरप्रमुख कन्थमणि प्रसाद जयसवाल प्रमुख अतिथि रहल रहे । ओहि लेखा कार्यक्रममे परोसी देश भारतसे आएल स्वजातीय अगुवा तथा विश्वकर्मा महासभाके अध्यक्ष महेन्द्र विश्वकर्मा विशिष्ट अतिथिके रूपमे सहभागी रहल रहे।

कार्यक्रमके सम्बोधन करइत प्रमुख अतिथि नगरप्रमुख जयसवाल शिवनगरमे रहल विश्वकर्मा बाबाके अधुरा मन्दिरके बाँकी निर्माण कार्य पूरा करेके नगरपालिकाके ओरसे आवश्यक सहयोग करेके बतएलन ।मेयर जयसवाल शिवनगर क्षेत्रके धार्मिक आ पर्यटकीय गन्तव्यके रूपमे विकास करेके आवश्यक रहल बोलईत स्थानीय तह, समुदाय आ सम्बन्धित पक्षसभके बीच सहकार्य जरूरी रहल धारणा रखले रहे ।

कार्यक्रममे विशिष्ट अतिथिके रूपमे बोलईत गौर नगरपालिकाके पूर्वउपमेयर आ महिला नेतृ किरण कुमारी ठाकुर कार्यक्रम आयोजना कएल आयोजक टिम आ जिल्ला अध्यक्ष विवेक शर्माके धन्यवाद देलीन । हुन स्वजातीय संगठनके अउरी प्रभावकारी बनावे आ संगठनात्मक रूपसे मजबुत करेके आवश्यक पर जोर देलीन ।

लोहार समुदाय पछाडि पारल आ उत्पीडित जाति रहल उल्लेख करईत नेतृ ठाकुर लोहार जातिके दलित समुदायमे समावेश करे खातिर नेपाल सरकारसे जोडदार माग करेके बतएलनथिन ।

कार्यक्रममे भारतसे आएल स्वजातीय अभियन्ता तथा विश्वकर्मा महासभाके अध्यक्ष महेन्द्र विश्वकर्मा नेपाल आ भारतबीच परापूर्वकालसे रहल रोटी-बेटीके अनन्य सम्बन्धके चर्चा करत दूनु देशके लोहार समुदायबीच कोनो भेदभाव न रहल बतएलन ।

हुन सभ अभिभावकसे आपन-आपन बालबच्चाके शिक्षामे विशेष ध्यान देवेके आग्रह कएलन। नुन-रोटी खा के भी बालबच्चाके पढावे आ शिक्षक, डाक्टर, इन्जिनियर बनाके देशके सार्वभौम संसद् तक पहुँचावे खातिर मेहनत करेके हुन जोर देलन। साथै, खुद भी कोनो प्रकारके कुलत आ लागूऔषधसे दूर रहे आ बालबच्चाके भी लागूऔषधसे बचावेके आग्रह कएले हए ।

 

कार्यक्रमके अवसर पर लोहार समुदायके धार्मिक आ सांस्कृतिक परम्परा अनुसार विश्वकर्मा बाबाके विधिपूर्वक पूजा–आराधना कएल गेल रहे । साथे सामाजिक सेवाके भावनासे रक्तदान कार्यक्रमके भी आयोजना कएल गेल हए ।

ओही अवसर पर समाजमे महत्वपूर्ण योगदान देवेवाला व्यक्तित्व, ज्येष्ठ नागरिक, हालमे एसईई परीक्षामे उत्कृष्ट नतिजा हासिल करेवाला विद्यार्थी आ विभिन्न आयोगमे नाम निकालके सफलता हासिल करेवाला व्यक्तिसभके दोसल्ला ओढाके सम्मानपत्र प्रदान करइत सम्मानित कएल गेल हए ।

कार्यक्रममे लोहार समुदायके एकता, सामाजिक सद्भाव आ धार्मिक–सांस्कृतिक पहिचानके संरक्षणमे महत्वपूर्ण योगदान पुगेके अपेक्षा आयोजकसभ व्यक्त कएले हए ।

ओही अवसर पर गरूडा नगरपालिका के मेयर प्रत्यासी बृजकिशोर यादव आ विपिन जयसवाल, वडाध्यक्ष विनोद जयसवाल, कटहरिया नगरपालिका वडा नं ५ के वडा अध्यक्ष सर्फ लाल गुप्ता

लगायतके सयौं के उपस्थित मे कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए।