रामअधार यादव, रौतहट , कार्तिक १२ गते ।
रौतहटके चपुर–गौर सडकखण्डमे बैलगाड़ी आ मोटरसाइकलके बीच भेल दुर्घटनामे गम्भीर रूपसे घायल एक युवकके उपचारके दौरान मौत हो गेल हए । दुर्घटनामे दोसर एक युवक घायल भेल हए । जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहटके अनुसार बीतल बुधके साँझके करीब ६ः३० बजे गरुडा नगरपालिका–१ अन्तर्गत जयनगर आ शिवनगरके बीच ई दुर्घटना भेल रहे ।
![]()
प्रहरीके कहनामे, जयनगरसे गरुडा ओर जा रहल बैलगाडीके पीछेसे आ रहल भारतीय नम्बर प्लेट बीआर ०६ सीजी १८०५ नम्बरके मोटरसाइकल ठोकर मार देले रहे । दुर्घटनामे मोटरसाइकल पर सवार माधवनारायण नगरपालिका–१ दिपहीके २४ बरीस के सोनेलाल पासवान आ गरुडा नगरपालिका–५ ठेठहरियाके २५ बरीस के रञ्जनकुमार साह घायल भेल रहलन ।
![]()
दुनू जनाके उपचारके लेल गरुडा स्थित ग्राण्डी अस्पतालमे भर्ती करावल गेल रहे । सोनेलालके माथा आ गोड़मे चोट लागल हए । हुनकर अवस्था मध्यम रहल आ अस्पतालमे उपचार जारी रहल प्रहरी जनएले हए । लेकिन मुँह आ छातीमे चोट लागल रञ्जनके प्राथमिक उपचार के बाद आउर उपचारके लेल बाराके एलएस न्युरो अस्पताल पठावल गेल रहे । उपचारके दौरान शुकरके दुपहर १२आ४९ बजे हुनकर मौत हो गेल ।![]()
जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहटके प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक वसन्त गौतम ई बातके पुष्टि कएले छत । दुर्घटना के बाद प्रहरी मोटरसाइकल आ बैलगाड़ी अपना नियन्त्रणमे लेले हए । साथे बैलगाड़ी चालक माधवनारायण नगरपालिका–१ दिपही निवासी हरिहर राय यादवके बेटा गम्भीरा राय यादवके सेहो नियन्त्रणमे लेल गेल हए । घटना के कारण बारेमे प्रहरीले थप अनुसन्धान जारी राखके जनएले हए ।

