रामअधार यादब , रौतहट, असोज २२ गते
विभिन्न बाधा–अवरोध आ कडा सुरक्षा व्यवस्थाके बीच रौतहटके फतुवा विजयपुर नगरपालिकाके १०वाँ नगरसभा सम्पन्न भेल हए । बुधके फतुवा विजयपुर नगरपालिकाके विजयपुरस्थित श्री माध्यमिक विद्यालयके प्राङणमे आयोजना कएल नगरसभामे आगामी आर्थिक वर्षके खातिर ५६ करोड ७० लाख ४१ हजार रुपैयाके बजेट सर्वसम्मत रूपमे पारित कएल गेल हए ।

नगरसभासे पारित बजेटमे स्थानीय बासिन्दाके लमहर समयसे रहल मागके सम्बोधन करईत विद्युत् महसुलके बाँकी बक्यौता भुक्तानीके लेल ५ करोड रुपैया विनियोजन कएल गेल हए । कार्यवाहक नगरप्रमुख अम्बेया खातुनके अनुसार नगरपालिका क्षेत्रभित्रके विद्युत् महसुलके बक्यौता नगरपालिकासे हि भुक्तानी करेके माग स्थानीय बासिन्दा करईत आ रहल हए । ओही मागके सम्बोधन करईत बजेटमे रकम छुट्यावल गेल हए । नगरसभा सञ्चालनके क्रममे विवाद आ अवरोधके स्थिति बनलाके बाद सुरक्षा व्यवस्था कड़ा पारल गेल हए ।

नगरसभा औपचारिक रूपमे सम्पन्न भेलाक बाद विवाद आ बेसी बढ़लासे कुछ समयधरि नगरसभा स्थलके अवस्था तनावपूर्ण बनल रहल हए । सम्भावित सुरक्षा जोखिमके ध्यानमे राखले प्रहरी प्रशासन कार्यवाहक नगरप्रमुख खातुनसहित दोसर जनप्रतिनिधि आ कर्मचारीके कड़ा सुरक्षा व्यवस्थाके बीच नगरसभा स्थलसे सुरक्षित रूपमे बाहर निकालल हए ।

नगरसभामे बजेट पारित भेलो भए विवादके कारण आ ओहिसँ सम्बन्धित घटनाक्रमके विस्तृत विवरण आबै बाँकी रहल हए । नगरपालिकाके आगामी आर्थिक वर्षके बजेटमे विद्युत् बक्यौता भुक्तानीके साथे स्थानीय आवश्यकता आ विकास निर्माणके कार्यक्रमके कइसन प्राथमिकता देल गेल हए, ई विषयमे सेहो थप विवरण सार्वजनिक होएके बाँकी हए ।

