आरके श्रीवास्तव, रौतहट, असोज २० गते ।
रौतहटके गरुडा नगरपालिका–६ अन्तर्गत पोठियाही गाँवमे बहुत दिनसे रहल मोबाइल नेटवर्कके समस्या अब समाधान होएके बाटपर रहल हए । वडाध्यक्ष रामबाबु चौधरीके विशेष पहलमे नेपाल टेलिकम एनटीसी आ एनसेलके दु गो टावर जडानके काम अन्तिम चरणमे पहुँचल हए । टावर सञ्चालनमे अएला बाद स्थानीय बासिन्दाके नेटवर्कके समस्यासे राहत मिलेके अपेक्षा कएल गेल हए । पोठियाही गाँवमे नेपाल टेलिकम आ एनसेलके नेटवर्क कमजोर रहलासे स्थानीय बासिन्दा बहुत दिनसे सञ्चार सेवाके समस्या झेलईत रहलथिन ।

मोबाइलसे फोन करे,के इन्टरनेट चलावे आ जरूरी समयमे आफन्त तथा सम्बन्धित व्यक्तिसे सम्पर्क करेके सेहो कठिनाइ होईत रहल रहे । स्थानीयके एह समस्या देखके वडाध्यक्ष चौधरी सम्बन्धित दूरसञ्चार सेवा प्रदायक संस्थासँ समन्वय आ पहल कएले रहलथिन । वडाध्यक्ष चौधरीके अनुसार, हुन पहलके बाद नेपाल टेलिकम आ एनसेलके दु गो टावर जडानके काम अगाडि बढावल गेल हए । एहिमे एनसेलके टावर एह हप्तेभितर सञ्चालनमे आवेके तयारी रहल हए । दोसर टावर छठ पर्वके आसपास सञ्चालनमे लियावेके लक्ष्य राखल गेल हए ।

दु गो टावर सञ्चालनमे अएला बाद पोठियाही गाँवसहित आसपासके क्षेत्रके सर्वसाधारणके मोबाइल नेटवर्क आ सञ्चार सेवा सहज होएके अपेक्षा कएल गेल हए । एहसे विद्यार्थी, व्यवसायी, किसान, कर्मचारी लगायत आम स्थानीय बासिन्दाके प्रत्यक्ष लाभ पहुँचेके विश्वास कएल गेल हए । निर्वाचित भेला से वडाके विकास निर्माण आ आम नागरिकके दैनिक जीवनसे जुडल समस्या समाधानमे सक्रिय रहईत अएला वडाध्यक्ष चौधरी सञ्चार सेवाजइसन आधारभूत आवश्यकताके सेहो प्राथमिकतामे राखके टावर जडानके लेल पहल कएले रहलथिन ।

हुनकर एह पहलके स्थानीय बासिन्दा महत्वपूर्ण उपलब्धिके रूपमे देख रहल छथि । वडाध्यक्ष चौधरी टावर जडान आ सञ्चालनके प्रक्रिया आगे बढावेमे सहयोग करेवाला नेपाल टेलिकम आ एनसेलके सम्बन्धित निकाय तथा पदाधिकारीसबके धन्यवाद देले छथि। हुन स्थानीय बासिन्दा बहुत दिनसे भोगत अएल नेटवर्कके समस्या समाधानमे सहयोग कएला पर दुनू सेवा प्रदायक संस्थाप्रति आभार व्यक्त कएले छथि। दु गो टावर सञ्चालनमे अएला बाद पोठियाही गाँवके बासिन्दाके सहज सञ्चार सेवाके साथे सूचना तथा प्रविधिके पहुँचमे सेहो सुधार होएके अपेक्षा कएल गेल हए । वडाध्यक्ष चौधरीके पहलमे आगे बढल एह कामसे स्थानीयस्तरके विकास निर्माणके साथे नागरिकके दैनिक समस्या समाधानमे जनप्रतिनिधिके सक्रिय भूमिका महत्वपूर्ण होएके सन्देश देले हए।


