आरएन पटेल, रौतहट, आसिन २० गते।

रौतहटके गुजरा नगरपालिका–५ लक्ष्मीपुरमे रहल एक इँटा भट्ठामे काम करेके लेल लावल गेल आ अलपत्र परल ४२ गो भारतीय नागरिकके प्रहरी उद्धार करके सुरक्षित रूपमे भारत पठा देले हए । प्रहरीके अनुसार २०८३ असोज १८ गते बिहान करीब २स्३० बजे मोहम्मद मुजामिलद्वारा सञ्चालन कएले रहल मदिना इँटा भट्ठामे भारतीय ठेकेदारमार्फत काम करेके आएल मजदुरसभ अलपत्र परल सूचना मिललाक बाद जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहट आ इलाका प्रहरी कार्यालय लक्ष्मीनिया विजयपुरसे संयुक्त प्रहरी टोली तत्काल घटनास्थलमे परिचालन कएल गेल ।

अनुसन्धानके क्रममे उक्त इँटा भट्ठामे भारतसे आएल १२ गो पुरुष, ११ गो महिला, ओहनीसभके आश्रित १० गो बालक आ ९ गो बालिका सहित जम्मा ४२ गो भारतीय नागरिक रहल पता लागलन । काम करेके लेल ओहनीसभके नेपाल लावे वाला भारतीय ठेकेदार सम्पर्कविहीन भेला पर सभे समस्या मे पड़ल रहलन । प्रहरी आवश्यक अनुसन्धान आ सम्बन्धित निकायसँघे समन्वय कएलाके बाद ओही दिन साँझ ५ बजे अलपत्र परल सभ मजदुर आ आश्रित परिवारके उद्धार कएलाके ।

उद्धार कएल गेल सभके ना ७ ख १६७५ नम्बरके बससे गौर भन्सारतर्फ पठावल गेल । गौर भन्सारमे भन्सार सुरक्षा गार्ड रौतहटके पहलमे ओहनीसभके भारतीय सीमा सुरक्षा बल एसएसबी के बर्गिनिया इकाई आ भारतीय प्रहरीके जिम्मा लगावल गेल । उद्धार कार्य सफलतापूर्वक सम्पन्न भेला बाद सभ भारतीय नागरिकके सकुशल रूपमे स्वदेश पठा देल गेल प्रहरी जनएले हए । घटनास्थल प्रहरी चौकी हरिनगरसे करीब ५ किलोमिटर दक्षिण–पूर्वमे रहल बतावल गेल हए । जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहटके प्रहरी नायव उपरीक्षक बसन्त गौतम मानव सुरक्षाके प्राथमिकता दैत अलपत्र परल विदेशी नागरिकसभके उद्धार करके सम्बन्धित निकायसँघे समन्वय करईत सुरक्षित रूपमे जिम्मा लगावल गेल जानकारी देलन । एईसन घटनामे संलग्न व्यक्ति आ ठेकेदारके भूमिकाके बारेमे थप अनुसन्धान जारी रहल प्रहरी जनएले हए ।