रामअधार यादव, रौतहट, असोज २१ गते ।
बीमा क्षेत्रके मार्केटिङ अफिसर अखिल अहमद अंसारी जीवन बीमा खाली खर्च न हए, बल्कि ई दीर्घकालीन बचतके साथे व्यक्ति आ परिवारके आर्थिक सुरक्षाके महत्वपूर्ण माध्यम हए कहलन । बज्जिकाञ्चल एफएमके कार्यक्रममे बीमाके विभिन्न पक्षके बारेमे भेल अन्तर्वार्तामे अंसारी बीमाके मुख्य उद्देश्य जोखिम हस्तान्तरणके साथे भविष्यके लेल आर्थिक आधार तैयार करएले हए बतएले । हनकर अनुसार बीमासे परिवारके आर्थिक सुरक्षा मिलेला आ बीमितके मृत्यु, दुर्घटना अथवा गम्भीर बीमारी जइसन जोखिमसे होए वाला आर्थिक भार कम करेमे सहयोग मिलल ।

अंसारी नेपालमे अभीयो बहुत बड़का जनसंख्या बीमाके पहुँचसे बाहर रहल बतएले हए जनचेतनाक कमी, बेरोजगारी आ बीमाके भविष्यके बचतके बदला तत्कालके खर्चके रूपमे बुझल जाएके प्रवृत्तिके प्रमुख कारण बतएले हए । हुनकर अनुसार नेपालमे करिब २७ प्रतिशत जनसंख्या मात्र जीवन बीमाके पहुँचमे रहल हए आ बहुत बड़का संख्या अभीयो बीमासे बाहर हए । एहिसे बीमाके खर्चके रूपमे न, बल्कि भविष्यके बचत आ सुरक्षाके रूपमे बुझावेके आवश्यकता हए, अंसारी बतएले हए । अंसारी जीवन बीमा करावेसे परिवारके प्रत्यक्ष आर्थिक सुरक्षा मिलेके बतएले हए । बीमा जोखिम हस्तान्तरणके प्रक्रिया भी हए ऊ कहलन “बीमितके कोनो अनहोनी हो गेल त परिवारके आर्थिक संकटसे बचावेमे बीमाके महत्वपूर्ण भूमिका रहल हए ।

गम्भीर अथवा घातक रोगके उपचारमे होए वाला बड़का आर्थिक खर्चसे सेहो बीमा परिवारके राहत दे सकेला, अंसारीके कहनाम हए । खास करके सीमित आम्दानी वाला किसान, मजदुर आ सर्वसाधारण परिवारके लेल गम्भीर बीमारी अथवा अन्य जोखिमके समय बीमा आर्थिक सहारा बने सकल हए । अंसारी आफू आबद्ध सानिमा लाइफ इन्स्योरेन्समे सर्वसाधारणके आवश्यकता आ आम्दानीअनुसार विभिन्न बीमा योजना आ सेवा उपलब्ध रहल बतएले हए । हुनकर अनुसार कम्पनीके नेपालभर १७५ से बेसी शाखा रहल हए, जसमे रौतहटमे गौर आ चन्द्रपुरमे शाखा सञ्चालनमे हए । बीमा करावे चाहेवाला व्यक्ति अपना आर्थिक अवस्था, आवश्यकता आ भविष्यके योजना अनुसार उपयुक्त बीमा योजना छनोट करेके सकल ।

आवश्यकता पड़ला पर एजेन्सी म्यानेजर अथवा शाखामार्फत घरमे अथवा फोनसे सेहो जानकारी आ परामर्श सकल जाएला, अंसारी बतएले हए । कार्यक्रममे सहभागी एक जना श्रोताले बीमा एजेन्टके रकम देलाक बाद पोलिसी न बनल आ बादमे रकम फिर्ता कएल गेल घटनाके बारेमे प्रश्न करईत बीमा क्षेत्रमे एजेन्ट अथवा कोनो व्यक्तिके कारण सर्वसाधारण ठगीमे परेके अवस्था रहल गुनासो कएले हए ।

