सागर संगम ठाकुर, रौतहट,  आसिन २० गते ।

रौतहटके कटहरियासे प्रसारण होईत रहल बज्जिकाञ्चल एफएम ८९.२ मेगाहर्जके साप्ताहिक कार्यक्रम ‘पुरस्कार ५ सय’ के विजेता देवाही गोनाही नगरपालिका–९, धरहरी निवासी विद्यार्थी शोनु गुप्ताके ५०० रुपैया नगद पुरस्कार प्रदान कएल गेल हए । हरेक शनिचरके दोपहरके ३ः१५ से ४ बजेतक सञ्चालन होईत रहल ई कार्यक्रममे सहभागी विद्यार्थीसभमे उत्कृष्ट प्रदर्शन करेवाला विजेताके नगद आ विभिन्न सामग्री पुरस्कार देल जाईत रहल हए ।

गत महिनाके शनिचरके भेल कार्यक्रममे विजेता बनल गुप्ताके आजु पुरस्कार प्रदान कएल गेल हए । विजेता शोनु गुप्ताके बज्जिकाञ्चल एफएमके प्रबन्ध निर्देशक सरिता कुमारी श्रीवास्तव आ स्टेशन म्यानेजर सागर संगम ठाकुर संयुक्त रूपसे ५०० रुपैया नगद पुरस्कार प्रदान कएले हए । कार्यक्रमके सञ्चालन भैरोलाल महतो करईत आएल रहल हए ।

कार्यक्रमके प्रभावकारी बनावेके लेल श्री माध्यमिक विद्यालय उचिडिहके प्रधानाध्यापक मुक्ति प्रसाद कुशवाहा आ श्री कोपिला प्राथमिक विद्यालयके प्रधानाध्यापक सुशीला कुशवाहा निरन्तर सहयोग करईत आएल रहल हए । बज्जिकाञ्चल एफएमके प्रबन्ध निर्देशक सरिता कुमारी श्रीवास्तव आगामी दिनमे ‘पुरस्कार ५ सय’ कार्यक्रमके रेडियो प्रसारणमे मात्र सीमित न राखले विभिन्न विद्यालय आ समुदायमे प्रत्यक्ष रूपसे सेहो सञ्चालन करेके तयारी रहल जानकारी देले हए ।

विद्यार्थीसभके ज्ञान, प्रतिभा आ क्षमता विकासके साथे प्रतिस्पर्धात्मक वातावरणमे आगा बढ़ावेके उद्देश्यसे सञ्चालन होईत रहल ई अभियानके आगामी दिनमे अझ प्रभावकारी बनावे आ विभिन्न ठाउँमे विस्तार करेके तयारी रहल श्रीवास्तव जनएले हए