सागर संगम ठाकुर, रौतहट ।
बाल क्लबसे सामाजिक क्षेत्रमे प्रवेश कइले युवा अभियन्ता अब्दुल सलाम बालबालिकाके अधिकारसे लेके युवा नेतृत्व, शिक्षा, स्वास्थ्य, रोजगार, लागुऔषध नियन्त्रण आ समाज सुधारके काममे सक्रिय रहल हए।

बज्जिकाञ्चल एफएम ८९.२ मेगाहर्जके ‘बज्जिकाञ्चल बहस’ कार्यक्रममे प्रस्तोता आरके श्रीवास्तवसँग बातचित करत सलाम कहलन कि ऊ विद्यालयमे पढ़ैत समयसे नै बाल क्लबमे जुड़ल रहलन। बाल क्लबमे जुड़लाक बाद समाजमे रहल समस्या बुझैके आ ओकर समाधानके लेल काम करेके मौका मिलल।

बाल क्लबके नेतृत्वमे विभिन्न कार्यक्रम चलाबैत ऊ बालबालिकाके अधिकार, शिक्षा आ समाजमे रहल समस्या बारेमे जानकारी हासिल कइलन। विभिन्न तालिम आ कार्यक्रममा सहभागी होइत बालबालिकाके अधिकार आ ओकर कार्यान्वयनके अवस्थाबारे सेहो जानकारी मिलल।

विद्यालयसे बाहर रहल बालबालिकाके फेरसे शिक्षाके मूलधारमे लाबैके लेल विभिन्न संस्था आ बाल क्लबसँग मिलके जनचेतना कार्यक्रम चलावल गेल। सलाम कहलन कि समाजमे आगू बढ़ैत समय पछाडि छुटल बालबालिका आ कमजोर समुदायके सेहो साथमे लेके चलल जरूरी हए।

पढ़ाइके साथे सामाजिक काम करत जाएके क्रममे सामाजिक अभियानप्रति हुनकर रुचि बढ़ैत गेल। बाल क्लबके गतिविधिके निरन्तरता देबेके लेल १८ वर्षसे ऊपरके युवाके समेटके युवा क्लब बनावल गेल। युवा क्लबमार्फत शिक्षा, स्वास्थ्य, रोजगार, युवा नेतृत्व, महिला सम्बन्धी विषय आ सामाजिक विकृति विरुद्ध विभिन्न काम कइल गेल।

सलाम कहलन कि युवा क्लबके राजनीतिक गतिविधिसे अलग राखके सामाजिक काममे ध्यान देल गेल। स्थानीय तह, जिल्ला आ प्रदेश स्तरके सम्बन्धित निकायसँग मिलके युवाके समस्या समाधानके लेल पहल कइल जा रहल हए।

पढ़ाइ आ सामाजिक काम दुनूके साथे आगू बढ़ाबैमे सुरुआतमे समय व्यवस्थापनमे समस्या भेल। बाकिर बादमे समयके सही तरिकासे मिलाके पढ़ाइ आ सामाजिक काम दुनूके निरन्तरता देल गेल।


