रामअधार यादव, रौतहट, असिन १३ गते
रौतहट । नेपाल वरै चौरसिया कल्याण सेवा समिति रौतहटके ओरसे चौरसिया समाजके सामाजिक आ सामुदायिक कामके लेल जग्गा किनेके उद्देश्यसे से होरहल चन्दा संकलन अभियानमे सहयोग करेके क्रम जारी रहल हए ।

एही क्रममे चन्द्रपुर ४ निवासी देवेन्द्र चौरसियाजी रु. २ लाख १ हजार आर्थिक सहयोग कएले हए । ई जानकारी समितिके जिल्ला अध्यक्ष रामाकान्त चौरसियाजी देले हए ।

समितिक अनुसार, समाजके सामाजिक, सांस्कृतिक आ सामुदायिक गतिविधि सञ्चालन करेके लेल आवश्यक जग्गा खरिद कएले हए । आगेके दिनमे ओहि जग्गामे समाजके बैठक, सभा–समारोह लगायत आवश्यक सामुदायिक संरचना निर्माण आ अन्य सामाजिक गतिविधि सञ्चालन करेके उद्देश्य राखल गेल हए ।

जग्गा खरिद अभियानमे महत्वपूर्ण सहयोग कएलापर नेपाल वरै चौरसिया कल्याण सेवा समिति रौतहट परिवार देवेन्द्र चौरसियाके धन्यवाद आ आभार व्यक्त कएले हए । साथै, समितिके ओरसे अभियानके सफल बनाबे लेल इच्छुक सम्पूर्ण व्यक्ति आ चौरसिया समाजके सदस्यसभके स्वेच्छासे सहयोग करेके अपिल सेहो कएल गेल हए ।

