आरके श्रीवास्तव, रौतहट, असोज ५ गते।

रौतहटके बीच भाग शिवनगरमे रहल जय बाबा विश्वकर्मा इन्टरप्राइजेज पछिला समयमे सवारी धनीसबके पहिलका रोजाइ बनईत जा रहल हए । वि.सं. २०७५ सालमे स्थापना भेल टीभीएस मोटरसाइकल आ स्कुटीके ई आधिकारिक शोरूम उत्कृष्ट सेवा आ ग्राहकके विश्वास जितत जिलाभरिमे अपन अलग पहिचान बनावेमे सफल भेल हए ।

विगतके सालसब जइसन ई साल असीन १ गते विश्वकर्मा पूजाके विशेष अवसरपर ५० गोसे बेसी मोटरसाइकल आ स्कुटी बिक्री करईत जय बाबा विश्वकर्मा इन्टरप्राइजेज रौतहट जिलामे बिक्रीके हिसाबसे पहिला स्थान हासिल करेमे सफल भेल हए । साथे, देशमे भी उत्कृष्ट स्थान आ नाम कमावेमे सफल भेल कम्पनी जनवले हए ।

प्रोप्राइटर सन्दिप कुमार शाहके कुशल नेतृत्वमे सञ्चालनमे रहल ई शोरूममे टीभीएसके चर्चित आ लेटेस्ट मोडल—अपाची, रोनिन लगायत विभिन्न ब्रान्डके सवारी साधन उपलब्ध हए । चाडपर्वके अवसरपर शोरूम ग्राहकसबके आकर्षक छुट आ उपहार योजनासमेत सार्वजनिक कएले हए । कम्पनीके सेल्स म्यानेजर अभिमन्यु कुमार गुप्ताके अनुसार एहि चाडपर्वमे ग्राहकसबके विशेष सुविधा देवेके उद्देश्यसे विभिन्न आकर्षक अफर ल्यावल गेल हए ।

सेल्स म्यानेजर अभिमन्यु कुमार गुप्ता कहलन कि स्थानीय ग्राहकसबके विश्वास आ रोजाइके कारण रौतहटके नम्बर वान शोरूमके रूपमे स्थापित जय बाबा विश्वकर्मा इन्टरप्राइजेज अपन सम्पूर्ण ग्राहकसबके हार्दिक धन्यवाद व्यक्त करलन । दशैं, तिहार आ छठ पर्वके अवसरपर शोरूम टीभीएसके ‘भाग्यके चाबी अपनेके हाथमे’ विशेष अफर सार्वजनिक कएले हए ।

ई अफरअन्तर्गत सवारी खरिद करेवाला प्रत्येक ग्राहकके सुपर स्योर उपहार, १० लाख रुपैयाँतकके क्यास डिस्काउन्ट, गोल्ड कि आ १०० प्रतिशत क्यासब्याक पावेके अवसर रहल जनावल गेल हए । साथे लक्की ड्रमार्फत हर दिन दु गो ग्राहकके पाँच सालतक निःशुल्क सर्भिस सुविधा देवेके व्यवस्था रहल कम्पनी जनएले हए ।सवारी खरिदके प्रक्रिया सहज बनावे लेल शोरूम ‘फटाफट फाइनान्स’ सेवो उपलब्ध करावले हए ।

ई सेवाके लेल नागरिकता आ सवारी चालक अनुमतिपत्र अर्थात् लाइसेन्स मात्र भेल पुगेके जनावल गेल हए । चाडपर्वके लक्षित करईत सब बाइक आ स्कुटीके पर्याप्त स्टक शोरूममे आ चुकल बतावल गेल हए । शोरूमले समयमे पहुँचके आकर्षक अफरके लाब उठावे लेल ग्राहकसबसे आग्रह कएलगेल हए ।

पर्याप्त स्टक, सरल फाइनान्स सुविधा आ विभिन्न प्रकारके छुट अफरके कारण शिवनगरमे रहल जय बाबा विश्वकर्मा इन्टरप्राइजेजमे ई समय नया मोटरसाइकल आ स्कुटी खरिद करेवाला ग्राहकसबके बेसी उपस्थिति देखल जा रहल हए । कम्पनी सब मोडलके सवारी साधन उपलब्ध रहल बतवईत ढुक्क होके सेवा लेवे लेल ग्राहकसबसे आग्रह कएलगेल हए ।