रामअधार यादव, रौतहट, असिन, २ गते

रौतहट । रसुवा क्षेत्रमे आइल विनाशकारी भोटेकोशी–त्रिशूली बाढी आ पहिरोसे प्रभावित परिवार आ समुदायप्रति ऐक्यबद्धता जनाबैत ग्रामीण विकास केन्द्र नेपाल (RDC Nepal), रौतहट प्रधानमन्त्री दैवी प्रकोप उद्धार कोषमे १ लाख ५१ हजार ६ सय ८१ रुपइया सहयोग कएले हए ।

RDC नेपालके अध्यक्ष अजमत हुसेन जानकारी देलन कि संस्थाके सभ कर्मचारी अपन एक दिनके तलब बराबरके रकम स्वेच्छासे योगदान कएले हए । ओहिमे संस्थाके कार्यसमिति सेहो सहयोग प्राप्त भेलाबाद कुल १ लाख ५१ हजार ६ सय ८१ रुपइया प्रधानमन्त्री दैवी प्रकोप उद्धार कोषमे सहयोग कएल गेल हए ।

अध्यक्ष अजमत हुसेन कहलन कि विपदके ई कठिन घड़ीमे रसुवा दाहर आ पहिरोसे प्रभावित परिवारके पीड़ामे साथ देब आ राहत कार्यमे सहयोग करेके संस्थाके मानवीय दायित्व रहल हए । प्रभावित परिवारके उद्धार, राहत आ पुनःस्थापनाके लेल सभ क्षेत्रसे सहयोग आ सहकार्य होए के आवश्यक रहल हए ।

RDC नेपालके ई सहयोग केवल आर्थिक सहायता न, बल्कि विपदमे पड़ल परिवार आ समुदायप्रति मानवीय संवेदना, साथ, सहयोग आ ऐक्यबद्धताके प्रतीक रहल संस्था जनएले हए ।

संस्था आगामी दिनमे सेहो आवश्यकता अनुसार विपद् प्रभावित समुदायके सहयोग आ मानवीय सेवाके क्षेत्रमे अपन भूमिका निर्वाह करेकेपरी प्रतिबद्धता जनवले हए ।