आरके श्रीवास्तव,रौतहट,भादाे १६ गते ।

गौरीशंकर यादव रौतहट फाउण्डेसन आ नेपाल पत्रकार महासंघ रौतहट शाखाबीचके सम्झौता बमोजिम अबसे हरेक वर्ष दु पत्रकारिता पुरस्कार प्रदान करेबाला भेल हए ।

महासंघ रौतहटके सचिव गौतम श्रेष्ठद्वारा जारी कएल गेल सूचनामे उल्लेख अनुसार ‘गौरीशंकर यादव रौतहट पत्रकारिता पुरस्कार’ आ ‘गौरीशंकर यादव रौतहट फोटो पत्रकारिता पुरस्कार’ नामक दु विधामे पुरस्कार प्रदान कएल जाई ।

प्रत्येक पुरस्कारके राशी जनही ११ हजार राेपईआ आ प्रमाणपत्र रहल हए । उ पुरस्कारसब नेपाल पत्रकार महासंघ रौतहट शाखाके वार्षिक साधारण सभाके अवसरमे वितरण कएल जाई ।

फाउण्डेसन आ महासंघबीचके सहकार्यसे जिल्लामे पेशागत पत्रकारिता आ फोटो पत्रकारितामे सक्रिय स्रष्टासबके प्रोत्साहन पुगेके विश्वास लेल गेल हए ।