रामअधार प्रसाद यादव,रौतहट,१० गते वैशाख ।
रौतहटके बौधिमाई नगरपालिकामे रहल सामुदायिक विद्यालयके शिक्षक शिक्षिकाके आँख स्वास्थ्यसम्बन्धी जनचेतनामूलक तथा व्यावहारिक तालिम देलगेल हए ।
नेपाल सरकार स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालयके सहयोगमे नेपाल नेत्र ज्योति संघ गौर आँख अस्पतालके आँख स्वास्थ्य कार्यक्रमद्वारा वडा नम्बर ७ मे रहल हलमे कार्यक्रमके आयोजन कएलगेल रहे ।
विभिन्न विद्यालयके मिलाके ४१ जने शिक्षक शिक्षिकाके सहभागिता रहल कार्यक्रममे मोतिविन्दु, जलविन्दु, टेढ आँख, दृष्टिदोष, दृष्टि परीक्षण करेके तरिका, आँखमे चोट लगलापर प्राथमिक इलाज करेके तरिका, आँखमे राखेवाला दबाइ सुरक्षित राखेके तरिका, आँखके इलाजमे ढिला होएलापर होसकेवाला असरके विषयमे जानकारी देलगेल रहे ।
अइसह मोबाइल, कम्प्युटर आ अन्य डिजिटल उपकरणके अत्यधिक प्रयोगसे आँखमे परेवाला असर, गर्मी मौसममे देखाइ परेवाला आँखके समस्या, बालबालिकामे दृष्टि कमजोरीके समयपर ही पहचान कके इलाजके लेल अगाडि बढेके, विद्यालयस्तरमे ही जनचेतना फैलाबेके विषयमे व्यावहारिक अभ्याससहित प्रशिक्षण प्रदान कएलगेल रहे । नगर प्रमुख प्रदीपकुमार यादव आ शिक्षक संयोजक राजेशकुमार यादव प्रभावकारी रहल बतएले तालिममे गौख आँख अस्पतालके विनिता केसरी, सत्येन्द्र पाण्डे आ आफताब आलम प्रशिक्षण देले रहलन ।

