सरिता कुमारी श्रीवास्तव,रौतहट,१० गते वैशाख ।
नेपाल पत्रकार महासंघ रौतहट शाखा प्रधानमन्त्रीके सम्बोधन करइत प्रमुख जिला अधिकारीमार्फत ज्ञापनपत्र बुझएले हए । नेपाल सरकारके चैत १८ गते कएलगेल संघीय सरकारके सभी निकाय, प्रदेश सरकार आ स्थानीय सरकारके विज्ञापन सरकारी संचार माध्यममे उपलब्ध कराबेके निर्णयसे संचारमाध्यमके प्रति विभेद आ अन्याय भेल महासंघ ठहर कएले हए ।
श्रमजीवी पत्रकारके नियमित पारिश्रमिक आ सेवा सुविधा सुनिश्चित करेके तथा सरकारी विज्ञापनमे होखेवाला चुहावटके रोके यथोचित प्रबन्ध मिलावेला भी कहइत ज्ञापनपत्रमे सभी संचार माध्यमके समान व्यवहार करेला महासंघके ओरसे माग कएलगेल हए ।

