बज्जिकाञ्च संवाददाता,जनकपुरधाम,११ गते वैशाख ।
पत्रकार आ पत्रकारिताके हकहितमे समर्पित रहल कहाएवाला संस्था नेपाल पत्रकार महासंघ, मधेश प्रदेश मुख्यमन्त्रीके ज्ञापनपत्र बुझएले हए । महासंघके मधेश प्रदेश शाखाके ओरसे मधेश प्रदेशके मुख्यमन्त्री कृष्णप्रसाद यादवके हाथमे ज्ञापनपत्र बुझाएल गेल हए ।
नेपाल सरकारके ओरसे कएलगेल सरकारी विज्ञापनके सरकारी संचार माध्यमके प्रकाशित करेके निर्णयके विरोधमे महासंघद्वारा मुख्यमन्त्रीके ज्ञापनपत्र बुझाएलगेल प्रदेश सदस्य शैलेन्द्र झा जानकारी करएले छत ।
सरकारी विज्ञापन सरकारी संचार माध्यममे मात्रे देबेके सरकारके नीतिसे प्रेस स्वतन्त्रता, निजी निजी मिडियाके अस्तित्व आ हजारो पत्रकारके रोजगारीपर गम्भीर असर परेके चेतावनी ज्ञापनपत्रमे देलगेल झा जानकारी करएले छत । पारदर्शी आ समावेशी विज्ञापनके माग करइत निर्णय फिर्ता लेबेला भी सरकारके ज्ञापनपत्रमार्फत आग्रह कएलगेल सदस्य झा बतएले छत ।

