आरके श्रीवास्तव,रौतहट,१३ गते वैशाख

कक्षा १२ के वार्षिक परीक्षा सोमारके सबेरेसे सुरु होरहल हए । राष्ट्रिय परीक्षा बोर्डद्वारा कक्षा १२ के वार्षिक परीक्षा बैसाख १४ गतेसे लेबेके तैयारी कएलगेल हए । देशभर सभी प्रदेशमे एकेसाथ होरहल कक्षा १२ के परीक्षाके सम्पूर्ण तयारी पूरा होगेल हए ।

हर साल बैसाख महिनामे वार्षिक परीक्षा होइत आएल हए । वार्षिक परीक्षाके लेल केन्द्राध्यक्ष आ सहायक केन्द्राध्यक्षके साथे अन्य कर्मचारीके भी नियुक्ति कएल जाचुकल हए । हरेक केन्द्रपर परीक्षाके कापी पुग चुकल हए । अइसही परीक्षा देबेवाला करिब सभी परीक्षार्थी अपन प्रवेशपत्र भी बुझ चुकल हए ।

पहिलेके सालसे कुछ आउर व्यस्थित परीक्षा करेला सरकारके तयारी रहल हए । परीक्षाके रिजल्ट परीक्षा सुधलाके करिब ४५ दिनपर आबेके जानकारी प्राप्त भेल हए । रौतहटके भी सभी परीक्षा केन्द्रपर परीक्षाके तयारी कएल जाचुकल खबर प्राप्त भेल हए ।