रामअधार प्रसाद यादव रौतहट १८ गते चैत
रौतहट जिल्लाके कटहरियास्थित ईलाका प्रहरी कार्यालय परिसरमे एक विशेष कार्यक्रमके बीच प्रहरी नायब निरीक्षक धर्मेन्द्र पौडेलके सरुवा होके जिल्ला प्रहरी कार्यालय गौरमे कार्यभार सम्हारे जाएबाला भेला से बधाई तथा शुभकामना आदान–प्रदान कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए ।
कार्यक्रम मे सहभागी वक्तासब प्रहरी नायब निरीक्षक पौडेल अपन कार्यकालभर इमान्दारी, कर्तव्यनिष्ठा आ उच्च जिम्मेवारीबोधके साथ काम करैइत शान्ति सुरक्षा मजबुत बनाबेला आ सर्वसाधारणके हितमे महत्वपूर्ण योगदान पुगएले उल्लेख करैइत उनकर प्रशंशा कएले रहे । साथे , नयाँ कार्यस्थलमे

भी हुन् और उत्कृष्ट कार्य सम्पादन करिहन कहके विश्वाश व्यक्त कैल गेल हए ।
ओहि अवसरमे ईलाका प्रहरी कार्यालय कटहरियाके नयाँ प्रमुखके रूपमे जिम्मेवारी सम्हारेला आएल प्रहरी नायब निरीक्षक मोहन सिंह आलेके हार्दिक स्वागत कैल गेल हए । सहभागी भेल सब उन्कर नेतृत्वमे कार्यालय थप प्रभावकारी,सेवामुखी आ जनमैत्री काम करेके अपेक्षा व्यक्त कएले हए ।
उक्त कार्यक्रम स्थानीय समाजसेवी, न प्रतिनिधि , बुद्धिजीवी, युवा, व्यापारी तथा सरोकारवाला व्यक्तित्वसबके उल्लेखनीय उपस्थितिमे सम्पन्न भेल हए । कार्यक्रममे युवा नेता तथा मेयर प्रत्यासी नसरुदिन अंसारी, वडाध्यक्ष चन्दन कुशवाहा, वडाध्यक्ष सरफलाल गुप्ता , जोगिन्दर साह, पत्रकार सञ्जय मिश्र लगायत सरुवा होके गेल पौडेलके सफल भविष्यके शुभकामना व्यक्त करेके साथे नयाँ प्रमुख आलेके कार्यकाल सफल रहे कहके कामना कएले हए ।