सम्पादकीय
राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टीके बरिस्ठ नेता बालेन शाहके नेतृत्वमे नयाँ सरकार गठन भेलासंघे निर्णयसब तीव्र गतिमे अगाडि बढरहल हए । एसे लमहर समयसे सुस्त रहल प्रशासनिक कार्यशैलीमे नयाँ ऊर्जा थपल महसुस स्थानीय नागरिक कएले हए । पारदर्शिता, जवाफदेहिता आ सुशासनके प्राथमिकतामे राखईत कएलगेल कदमसबसे जनतामे सकारात्मक सन्देश प्रवाह कएले हए ।
विशेषतः १०० दिनके कार्यसुचि लगायत भेल कुछ निर्णयसब चर्चाके केन्द्र बनल हए । यद्यपि, तीव्र निर्णय प्रक्रियासंघे ओकर प्रभावकारिता आ दीर्घकालीन परिणामबारे भि गम्भीर बहस आवश्यक हए । केवल लोकप्रिय निर्णय नहए, व्यवहारिक आ दिगो नीतिसब भि सफल शासनके आधार होसकईअ ।
नागरिकके उच्च अपेक्षा पूरा करेला सरकार निरन्तर जिम्मेवार आ संवेदनशील रहेके चाहि । प्रारम्भिक उत्साहके स्थायी उपलब्धिमे रूपान्तरण करेला स्पष्ट योजना, सहकार्य आ निरन्तर अनुगमन अपरिहार्य हए । अभिके सक्रियता प्रशंसनीय भेलापर भि ऐकर निरन्तरता हि वास्तविक परीक्षा होई ।

