राैतहट,१४ गते कार्तिक ।
रौतहटके दुर्गा भगवती गाउँपालिका–पिपराबाट काठमाडौं जारहल डल्फिन रात्री बस दुर्घटनामा परलाबाद मधेस प्रदेश सरकार सक्रिय भेल हए । दुर्घटनामे घायल भेल यात्रुसबके ईलाज हाेरहल हए जबकि मधेश प्रदेशके मुख्यमन्त्री जितेन्द्र सोनल घायलसबके ईलाजमे काैनाे भि प्रकारके असुविधा नहाेए कहके चितवनके प्रमुख जिल्ला अधिकारी गणेश अर्याल (सीडीओ) संघे सीधा समन्वय कएले छत् । मुख्यमन्त्री सोनल कहलन, “घायल यात्रुसबके ईलाजमे काैनाे नहाेएके चाहि ।
प्रदेश सरकार पूर्ण रूपमे तयार हए आ आवश्यक सहयोग तुरन्त उपलब्ध करावल जाई।” हाल उपलब्ध विवरण अनुसार, दुर्घटनामे घायल भेल मध्ये १५ जना चितवन मेडिकल कलेजमे,१३ जना नेसनल सिटी अस्पतालमे आ ५ जना भरतपुर अस्पतालमे करके ३३ जना घायलके ईलाज हाेरहल हए । दुर्घटनाके खबरसे सम्पूर्ण समुदायके दुःखी बनएले हए ।
मुख्यमन्त्री साेनल घाषलसबके शीघ्र स्वास्थ्य लाभके कामना कएले छत् । गौर आ जनकपुरसे काठमाण्डौतर्फ जारहल यात्रुबाहक बस चितवनमे बितलरात करिब पौने २ बजे भरतपुर महानगरपालिका–९ टिकौली जंगलमे दुगाे यात्रुबाहक बस आ एक ट्रक आपसमे ठोकरलागलापर ३३ जना घायल भेल हए ।

