आरके श्रीवास्तव,राैतहट,कार्तिक ०८ गते ।
रौतहटके गुजरा नगरपालिका–९ सिमराभवानीपुरमे नेकपा एमाले शुभकामना अदान–प्रदान कार्यक्रम सम्पन्न कएले हए । कार्यक्रममे पार्टीके केन्द्र, प्रदेश आ स्थानीय तहके नेतासबके उपस्थिति रहल रहे ।

कार्यक्रमके प्रमुख अतिथि नेकपा एमालेके केन्द्रीय सदस्य कुन्दन कुशवाहा आसिन २३ आ २४ गते देशके विभिन्न स्थानमे भेल विध्वंसकारी गतिविधि काैनाे नेपालीके नहाेके विदेशी शक्तिके इसारामे करावलगेल हाेसकेके टिप्पणी कएलन । हुन कहलन, “संविधान संशोधन आवश्यक हए, लेकिन देशके अस्थिर बनाबेके काम स्वीकार्य नहए । भ्रष्टाचारविरुद्ध कठोर कदम चालेके चाहि, सरकार जेनजी घटनाके निष्पक्ष छानबिन करके दोषीउपर कारवाही करेके चाहि ।”
कुशवाहा नेकपा एमालेके अध्यक्ष केपी शर्मा ओलीके स्वच्छ आ इमानदार नेता भेल बतावईत, “ओलीजी भ्रष्टाचार आ सम्पत्ति शुद्धीकरण आपनासे सुरु करेके आँट देखएले छत् , का दाेसर नेतामे अईुन साहस हए ?” कहईत एनजीओ आ आईएनजीओसब देश चलाइरहल कहईत आलोचना कएलन ।

ओईसन, कार्यक्रमके विशिष्ट अतिथि तथा पूर्वराज्यमन्त्री नागेन्द्र यादव सामाजिक सुरक्षा लगायतके जनमुखी कार्यक्रमके सुरुवात नेकपा एमाले कएले कहईत एमालेहि जनताके हितके लेल समर्पित पार्टी भेल दाबी कएलन । हुन कहलन, “एमालेबाहेक देशके विकास आ स्थायित्वके काैनाे विकल्प नहए ।”

मधेस प्रदेशके पूर्वराज्यमन्त्री तथा प्रदेश सांसद केशव राय चौधरी हाल देश विकराल अवस्थामे रहल बतावईत हुन, “जेनजी आन्दोलनके नाममे कुछ विध्वंसकारी समूह घुसपैठ करके व्यक्तिगत सम्पत्तिमे क्षति पुगएले हए । उ तत्वसबके पहिचान करके कानुनी कारबाही हाेएकेचाहि ।”

कार्यक्रममे अन्य स्थानीय नेता तथा कार्यकर्तासबभि एमालेबाहेक देशमे स्थायित्व आ परिवर्तनके काैनाे विकल्प नरहल धारणा व्यक्त कएलन ।
कार्यक्रममे स्थानीय बासिन्दा, पार्टीका कार्यकर्ता आ शुभेच्छुकसबके उत्साहजनक सहभागिता रहल आयोजक जानकारी देले हए ।

