जनकपुरधाम ।
मधेस प्रदेश सरकारके मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंह जेनजीके प्रदर्शनके क्रममे तोडफोड तथा आगजनीके कारण क्षतिग्रस्त भेल कार्यालय बडादसैंके बाद पूर्ण रुपमे सेवा प्रवाह करेके बतएले हए । हुन आइ पत्रकारसबसंघे सङ्क्षिप्त बातचित करइत जेनजी प्रदर्शनके क्रममे मधेस प्रदेश सरकारके सरकारी निकायमे भौतिक संरचनाके व्यापक क्षति भेलासे येकर मर्मत तथा सुधारमे थप अभिभि कुछ दिन समय लागेके आ ओकराबाद सेवासब पूर्ण रुपमे सञ्चालनमे आबेके बतएलन ।
सुरक्षामे क्रमिक रुपसे सुधार होइत गेलासे प्रदेशके विभिन्न मन्त्रालय तथा कार्यालयसबमे कर्मचारीसब आबेके सुरु करचुकल उनकर कहनाम हए । अगर काम करेला भौतिक संरचनाके समस्या आ अभाव रहल उल्लेख करइत हुन ओकर वातावरण बनाबेके लेल कुछ दिन समय लागेके बतएलन ।
प्रदेशसभा भवनसहित मन्त्रालयसबके क्षति भेल संरचनासबके मूल्याङ्कनके लेल पाच सदस्यीय समिति गठन कएलगेल हए । मधेस प्रदेश सरकारअन्तर्गतके मुख्यमन्त्री कार्यालयसहित मधेस प्रदेशसभा भवन तथा सचिवालय, भौतिक पूर्वाधार विकास मन्त्रालय , ऊर्जा तथा सिचाइ मन्त्रालय, श्रम तथा यातायात मन्त्रालयलगायत अन्य मन्त्रालय तथा सरकारी कार्यालयके भौतिक संरचनामे आक्रमण करके तोडफोड करेके साथे आगजनी कएले रहे ।
साथे सवारीसाधनसब भि क्षतिग्रस्त बनएले हए । सुरक्षा अभावमे ओलनके समानसब भि लुटपाट भेल हए । देश दैनिक

