जनकपुरधाम, असोज ४ गते ।
मधेश सरकार जेनजी प्रदर्शनके सहिद परिवारके राहत स्वरुप अढाई लाख रुपइया प्रदान करेके निर्णय कएले हए । शुकरके बैठल मन्त्रिपरिषद् बैठकसे गत भादो २४ गते भेल जेनजी प्रदर्शनमे सहादत प्राप्त कएले अपने प्रदेशके सहिदके श्रद्धाञ्जली अर्पण करइत उसबके परिवारके थप राहतस्वरूप प्रति परिवार दु लाख पचास हजार रुपिया प्रदान करेके निर्णय कएले हए ।
बैठकसे प्रदर्शनके क्रममे घायल भेलसबके प्रति शीघ्र स्वास्थ्य लाभके शुभकामना व्यक्त करइत उसबके प्रभावकारी उपचारके व्यवस्था मिलाबेके लेल सम्बन्धित निकायके निर्देशन देले हए । ओइसहि, शान्तिपूर्ण आन्दोलनमे बाह्य घुसपैठ भेल सरकारी तथा निजी सम्पत्तिमे कएल आगजनी, तोडफोड आ क्षतिके घटनामे संलग्न व्यक्तिसबके पहिचान करके कानुनी कारबाही आगारु बढाबेके निर्णय भि बैठकसे कएले हए ।
मधेश प्रदेश सरकार जेनजी पुस्ता आगारु सारले मागसबके समाधान वर्तमान संविधानकेहि दायराभित्र रहके खोजेके स्पष्ट पारले हए । मधेश प्रदेश सरकार सुशासन आ भ्रष्टाचार नियन्त्रणके मागसहित भेल जेनजी प्रदर्शनके क्रममे सहादत प्राप्त कएल सहिदसबके श्रद्धाञ्जली अर्पण कएले हए । गोरखापत्र

