बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट,भदौ २० गते ।।

तीनु तहके सरकार मिलके कएलजाओ हातेमालो, मानव बेचबिखनके हटाउ दुष्चक्रके जाल कहेबाला मूल नाराके साथ १९ वा मानव बेचबिखन विरुद्धके राष्ट्रिय दिवस रौतहट जिल्लामे विशेष कार्यक्रमसहित भव्य रूपमे मनावलगेल हए । जिल्ला प्रशासन कार्यालय रौतहटके आयोजनामे प्रभातफेरी कार्यक्रम सबेरे सेहि सुरु होके सदरमुकाम गौरके प्रमुख सडक होइत परिक्रमा कएलगेल ।

कार्यक्रममे सरकारी निकाय, स्थानीय तहके प्रतिनिधि, विभिन्न सामाजिक संघ–संस्थाके प्रतिनिधिसब, विद्यालयके विद्यार्थी, युवा क्लबसब तथा सर्वसाधारणके उल्लेखनीय उपस्थिति रहे  । कार्यक्रममे बोलइत प्रमुख जिल्ला अधिकारी मानव बेचबिखनजइसन जघन्य अपराधके अन्त्यके लेल सब तहके सरकार आ समुदायबीच समन्वय आवश्यक रहल बतएले हए ।

उ मानव बेचबिखनविरुद्ध जनचेतना अभिवृद्धि करेला येइसन कार्यक्रमके महत्व अत्यधिक रहल उल्लेख कएलन । कार्यक्रममे सहभागिता जनाएकासब विभिन्न सचेतनामूलक प्लेकार्ड, नाराबाजी तथा सांस्कृतिक प्रस्तुतीमार्फत जनचेतना अभिवृद्धिमे योगदान पुगएले रहे । मानव बेचबिखनके रोकथाम, पीडितके संरक्षण तथा पुनःएकीकरणके प्रयासमे सब आ–आपन जगहसे योगदान पुगाबेके सन्देश देइत कार्यक्रम समापन कएलगेल रहे ।