आरके श्रीवास्तव, रौतहट,भादो २० गते ।

रौतहट आर्थिक वर्ष २०८०,८१ के लेखापरीक्षणमे उल्लेखनीय सफलता हासिल करइत ईशनाथ नगरपालिका, रौतहट महालेखापरीक्षकके कार्यालयसे आई प्रशंसा पत्र प्राप्त कएले हए । सम्पूर्ण मधेश प्रदेशसे उत्कृष्ट प्रदर्शन करेबाला एक मात्र स्थानीय तहके रूपमे ईशनाथ नगरपालिका चयन भेल हए । ईशनाथ नगरपालिकामे आयोजित विशेष कार्यक्रममे नायब महालेखापरीक्षक इन्द्रप्रसाद आचार्य, उपमहालेखापरीक्षक पदमराज पौडेल तथा महालेखापरीक्षक तोयम रायाके संयुक्त हस्ताक्षरित उक्त प्रशंसा–पत्र नगरपालिकाको कार्यालयमे प्रदान कएलगेल हए ।

लेखापरीक्षणके क्रममे ईशनाथ नगरपालिकाके कुल बेरुजु रु.७६,३८,३०७।– मात्र देखलगेल हए । जउन लेखापरीक्षण कएलगेल कुल रकमके केवल ०.६१ प्रतिशत हए । साथे, इ नगरपालिका रु.७,६६,२०,०८५।– बराबरके बेरुजु फर्स्यौट तथा सम्परीक्षणसमेत कएलगेल हए । जउन येसेपहिले कायम बेरुजुसबके तुलनामे उल्लेखनीय प्रगति हए ।

नगरप्रमुख कौशल्या देवीके नेतृत्व आ प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत नन्दकिशोर गुप्ताके प्रशासनिक व्यवस्थापनमे नगरपालिका वित्तीय अनुशासन, उत्तरदायित्व आ पारदर्शिता कायम राखेमे सफल भेल हए । दुनु जनाके सक्रिय पहल, निगरानी आ समन्वयकारी भूमिकाके प्रशंसा कएलगेल हए । नगरप्रमुख कौशल्या देवी कार्यक्रमपश्चात् प्रतिक्रिया देइत कहलिन, “इ पुरस्कार सम्पूर्ण नगरवासी आ कर्मचारीसबके साझा उपलब्धि हए ।

हमनी आउरी पारदर्शी, उत्तरदायी आ सेवामुखी नगरपालिका निर्माणमे प्रतिबद्ध बारी ।” ओइसहि, प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत नन्दकिशोर गुप्ता कहलन, “वित्तीय अनुशासन कायम करेला आ लेखापरीक्षणके सन्तोषजनक नतिजा ल्याबेला कर्मचारीसबके निरन्तर प्रयास, विभागीय समन्वय आ समयमेहि तथ्यांक अद्यावधिक करेला संस्कार मुख्य कारण हए ।” कार्यक्रममे सहभागी विभिन्न सरोकारवालासब आर्थिक पारदर्शिता आ स्थानीय तहके सुशासन प्रवर्धनमे ईशनाथ नगरपालिकाके उदाहरणीय कार्यशैलीके प्रशंसा कएले रहे ।