आरके श्रीवास्तव,रौतहट,भदौ १८ गते ।

जनता समाजवादी पार्टी, नेपाल (जसपा) रौतहट जिल्ला समितिके आयोजनामे कटहरिया नगरपालिकाके कटहरिया बजारमे एक विशाल विरोध प्रदर्शन सम्पन्न भेल हए । पार्टीके जिल्ला अध्यक्ष राजिव रञ्जन यादवके अध्यक्षतामे सम्पन्न उक्त प्रदर्शन भूमि विधेयक आ गौर राइस मिल घटनाके विरोधस्वरूप आयोजना कएलगेल हए । प्रदर्शनमे सहभागीसब भूमि विधेयक तत्काल खारेज करेके मागसहित जोरदार नाराबाजी करइत नगरभर परिक्रमा कएले रहे ।

प्रदर्शनके एक विशाल आ सशक्त रुपमे आगारु बढावलगेल रहे । कार्यक्रमके प्रमुख अतिथि जसपा नेपालके केन्द्रीय उपाध्यक्ष गोविन्द चौधरी भूमि विधेयक गैरसुकुम्बासीके हाबी कराबेला ल्याएल आरोप लगाबइत कहलन , “इ विधेयक जसपा नेपाल कउनो भि हालतमे स्वीकार करे नसकी ।” कार्यक्रमके अन्य वक्तासब पूर्व अध्यक्ष श्यामबिहारी यादव, राजकुमार दास, अनिल यादव, पुनित राम, ईश्वरीप्रसाद यादव लगायत भि आपन धारणा व्यक्त करइत भूमि विधेयकके कडा विरोध जनएले रहे । कार्यक्रमके स्वागत मन्तव्य युवा नेता पुणप्रताप पटेल देले रहे आ कार्यक्रमके सञ्चालन जसपा नेपालके युवा नेता राजाबाबु साह कएले रहे ।

प्रदर्शनमे जसपा नेपालके केन्द्रीय सदस्य तथा गुजरा नगरपालिकाके नगरप्रमुख सन्तलाल चौधरीसहित विभिन्न तहके नेता तथा कार्यकर्ताके उल्लेखनीय उपस्थिति रहे । कार्यक्रमके समापन करइत अध्यक्ष राजिव रञ्जन यादव भादो ०९ गतेसे मधेस प्रदेशभर निरन्तर विरोध प्रदर्शन होरहल जानकारी देइत कहलन, “१९ वर्षकेबाद अदालतके परमादेशकेबाद जसपा नेपाल मात्र नहए, अन्य दलके नेतासब पभि आन्दोलनमे सक्रिय हए ।”

हुन गौर घटनाके प्रमुख योजनाकारके नाम तत्कालीन लाल आयोग आ खिलराज रेग्मी नेतृत्वमे गठित छानबिन आयोगके प्रतिवेदनमे उल्लेख भेल कहइत उ प्रतिवेदन सार्वजनिक करेला माग समेत कएले हए । जसपा नेपालके इ विरोध कार्यक्रमसे रौतहटमे नया राजनीतिक बहसके सुरुवात करएले हए । पार्टी आन्दोलनके आउरी व्यापक बनाबइत लेजाएके जनएले हए ।