आरके श्रीवास्तव, रौतहट,२७ गते सावन ।

रौतहटमे अवैध रुपमे हुन्डी कारोबार फस्टएले हए । हुन्डी कारोबार फस्टएलापर सरकारी राजस्वमे घाटा लागल देखलगेल हए ।

रौतहट प्रहरी अभितक हुन्डीके लाखो रुपैया बरामद करके करिब आधा दर्जन कारोबारीके नियन्त्रणमे लेके मुद्दा चलाचुकल हए लेकिन अबैध तरिकासे हुन्डीके कारोबार नरुकल हए । रौतहटसे विदेश गेल कामदारसब सीमावर्ती भारतीय आफन्तलन अवैध रुपमे रकम पठाबेके आ भारतसे रकम भित्र्याबेके क्रममे तीव्रता आएल हए ।

भारतीय सीमावर्ती क्षेत्रसे रकम भित्र्याबेके क्रम तीव्र भेलासंघे रौतहटके छोटमोट बजारमे भि खुलल रकम पठाबेके तथा पाबेके कारोबार करेबाला संस्थासब सुखल हए ।

रौतहटके कटहरिया बजारके दुगो कारोबारी संस्था अभितक हराचुकल हए । विदेशसे रकम पठाबेके आ विदेशमे पठाबेके कारोबार करेबाला कुछ संस्थासब बैंकिंग संस्थाके विस्तारसंघे सुखल भि बतएले हए । हुन्डी कारोबारीमउपर प्रहरी निगरानी बढएलापर भि नेपाल आ भारत दुनुओरी हुन्डी कारोबार फस्टएले देखलगेल हए ।
कुछ भारतीयसब भि कर छलेला नेपाली बेपारीलन पैसा पठाबेके अवैध तरिकासे भारत पैसा लेजारहल पाएलगेल हए ।

समय समयमे भारतसे नेपालओरी आ नेपालसे भारतओरी स्रोत नखुलल रकम कहके दुनुओरीके प्रहरी पकररहल हए । नेपाल(भारत सीमामे प्रहरीके निगरानी बढलापर भि प्रहरीके छलके अवैध कारोबार चलरहल पाएलगेल हए ।
मुख्य करके साना तथा ग्रामीण नाकाके प्रयोग करके हुन्डी कारोबार फस्टएले हए । सीमावर्ती क्षेत्रसे हजारो मानिस कामके खोजीमे विदेश गेल हए ।

विदेशसे नेपाली बैंक खातामार्फत पैसा पठएलापर भि कुछ महगा परेबाला भेलासे
हुन्डीमार्फत कामदारसब पठारहल कामदारके आफन्तसब बतारहल हए । स्रोत नखुलाबेके शर्तमे एक जना कहलन ( भारतीय आफन्तलन होके पैसा मगएलापर खर्च परल खासे अनुभूति नहोइअ । लेकिन नेपालके खातामार्फत मगएलापर कुछ महंगा परइअ । सीमावर्ती बजारमे सामान भि किनेके सजिलो होएके आ पैसा बोकके ल्याबेके भि सजिलो होरहल उसबके कहनाम हए ।

हरेक महिना पैसा मगएलापर घरके लेल सामान भि किनेला सजिलो होइअ ।
हुन्डी कारोबारसे कएलापर राजस्वमे घाटा भेल आ
देशमे केताना पैसा विदेशसे आरहल हए कहके

बात पत्ता लगाबेला भि सजिलो होरहलापर स्वदेशकेहि वैधानिक माध्यम होके विदेशसे पैसा मगोबमे उचित होएके समाजसेवीसबके कहनाम हए । कटहरिया ८ के वडाध्यक्ष
शमिश विक्रम शाह वैधानिक तरिकासे विदेशसे पैसा मगाबनाइ उचित होएके बताबइअ । वैधानिक तरिकासे विदेशसे
पैसा मगएलापर देशके विकासमे योगदान देरहल वडाध्यक्ष शाह बताबइअ ।