चन्दन यादव, रौतहट २७ गते सावन ।
रौतहटके फतुवा बिजयपुर नगरपालिकाके वडा नम्बर ५ आ ७ स्थित दु गो शिवचर्चा मण्डलके सामाग्री वितरण कएले हए । हर्षाहा आ सन्तपुरके उ मण्डलके आइ एक विशेष कार्यक्रमबीच धार्मिक तथा सांस्कृतिक सामग्री वितरण कएलगेल हए । एक कार्यक्रमके बिच
कार्यवाहक नगरप्रमुख अम्बेया खातुन उ सामाग्री वितरण कएलगेल हए ।
हुन धार्मिक आ सांस्कृतिक मूल्यके संरक्षण आ सम्वद्र्धनके लेल नगरपालिका निरन्तर सहयोग करेके प्रतिबद्धता व्यक्त कएलन । वितरण कएलगेल सामग्रीसबमे हरमुनियम, मादल, झाल, माइक सेट, हर्न, एम्प्लिफायर लगायत रहल हए । इ सामग्रीसब पेटभर्वा, टेंग्राहा, विजयपुर आ रामदासीमे सक्रिय शिवचर्चा मण्डलसबके भि क्रमशः वितरण करेबाला हए ।
आर्थिक वर्ष २०८१,८२ मे नगरसभासे स्वीकृत बजेटसे खरिद भेल उ सामाग्रीसब वितरण कएलगेल हए । उ अवसरमे प्रदेश सभा सदस्य पदके प्रत्यासी मोहम्मद सेराज भि कार्यक्रममे सहभागी रहल रहलन । हुन धार्मिक संस्थासब संस्कृतिके संरक्षणमे महत्त्वपूर्ण भूमिका खेलेबाला भेलासे राज्य आ स्थानीय तहसे येइसन संस्थाके सहयोग करेके धारणा व्यक्त कएलन ।
प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत भरत प्रसाद यादव कहलन, ूनगरपालिका धर्म आ संस्कृतिके संरक्षणमे विशेष ध्यान देरहल हए । इ किसिमके कार्यक्रमसबसे सामाजिक एकता आ सांस्कृतिक चेतनाके बढावा देबेके विश्वास लेले हए । जिन्सी शाखा प्रमुख हरिन्द्र प्रसाद यादव सामग्री वितरण सम्बन्धी व्यवस्थापकीय पक्षबारे जानकारी
कराबइत कहलन, सुनियोजित रूपमे आवश्यकताके मूल्याङ्कन करके सामग्री वितरण कएलगेल हए, जेसे मण्डलसबके दैनिक धार्मिक क्रियाकलापके सहज बनाबेबाला हए । इ कार्यक्रम स्थानिय समुदायमे धार्मिक चेतना आ सांस्कृतिक गौरव अभिवृद्धि करेके अपेक्ष लेलगेल हए ।

