चन्दन यादव,रौतहट,२६ गते सावन ।

रौतहटके फतुवा विजयपुर नगरपालिका हालसाले कुछ स्थानीय सञ्चारमाध्यमसबमे कार्यवाहक नगरप्रमुख अमवेया खातुन, प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत भरत प्रसाद यादव आ अन्य कर्मचारीसबके लक्षित करके प्रकाशित समाचारप्रति खण्डन जारी कएले हए ।

नगरपालिका कार्यालय २०८२ साल सावन २६ गते पत्रकार सम्मेलन करईत सार्वजनिक रूपमे उक्त समाचारसब भ्रामक, अपुष्ट आ तथ्यहीन रहल स्पष्ट पारले हए । नगरपालिकाके अनुसार, प्रशासकीय प्रमुख भरत प्रसाद यादव दैनिक रूपमे कार्यालयमे उपस्थित होके नियमित रूपमे कामकाज करईत आएल हए आ कार्यशैलीमे पारदर्शिता तथा जवाफदेहिता अपनएले हए ।

सार्वजनिक खरिद प्रक्रिया, कर्मचारीके हाजिरी, आ कार्यक्रम सञ्चालन सम्बन्धी कार्यसब सम्बन्धित कानुन आ नगरसभाके निर्णयअनुसार हि कएलगेल व्यहोरा खण्डनपत्रमे उल्लेख हए । योजना शाखामे रामाशंकर यादवके अस्थायी रूपमे जिम्मेवारी देबेके परल विषयमे भि प्रष्ट पारईत कहलगेल हए । पूर्व योजना प्रमुख विल्टु राय यादव कार्यालयमे नियमित रूपमे नआएल आ निजउपर अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगमा उजुरी परलासे वैकल्पिक व्यवस्था करेके परल हए ।

ओईसहि,सरकारी गाडीके दुरुपयोग, अनावश्यक पेट्रोल वितरण आ बजेटके अपचलनके आरोपसब समेत अस्वीकार करईत खण्डनमे कहलगेल हए कि प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत कानुनअनुसार प्राप्त सेवा सुविधा मात्र प्रयोग कएले हए, अनावश्यक खर्च नभेल आ कउनो अतिरिक्त चालक भि नराखलगेल स्पष्ट पारले हए ।

सबसे भ्रष्ट कहके आरोपप्रति कडा आपत्ति जनाबईत फतुवा विजयपुर नगरपालिका हाले वार्ड नं.११ के सार्वजनिक कार्यक्रममे भरत यादवके इमान्दारी आ आर्थिक अनुशासनके प्रशंसा सार्वजनिकरूपमेहि कएलगेल उदाहरण देईत उक्त आरोप आधारहीन भेल स्पष्ट कएले हए ।

नगरपालिका स्थानीय सञ्चारमाध्यमसबमे सत्य, तथ्य आ प्रमाणमे आधारित समाचार प्रकाशन करेला अनुरोध करईत अपुष्ट सूचना सार्वजनिक नकरदेबेला आग्रह समेत कएले हए ।