बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट,२० गते सावन ।

रौतहटके बौधीमाई नगरपालिका कार्यपालिका एन आई सि एसिया बैंक, बंकुल शाखाके एक ध्यानाकर्षण पत्र जारी करईत सामाजिक सुरक्षा भत्ता आ वालपोषण भत्ताके वितरणमे ढिलाइ भेल कहईत सुधारके माग कएले हए ।

बौधीमाई वडा नम्बर ४ के वडा अध्यक्ष तुरन्तनारायण यादवके नेतृत्वमे गेल नगरपालिकाके टोली बुझएले पत्रमे कहलगेल हए २०८२/०३/२० गते हि रकम पेठाचुकल भेलापर भि एक महिना बितलापर भि वितरण तालिका सार्वजनिक नकएले कारण लाभग्राहीसब सेवासे वञ्चित हए ।

नगरपालिका २४ घण्टा भितर तालिका सार्वजनिक नकएलापर बैंकके दैनिक कार्यमे अवरोध करेके चेतावनी देलगेल हए । नगरपालिका बैंकसे भत्ता वितरणमे सहकार्यके अपेक्षासहित सुधारके आग्रह कएले हए ।