आरके श्रीवास्तव,रौतहट,२० गते सावन ।

रौतहटके फतुवा विजयपुर नगरपालिकाके नगर कार्यपालिकाके कार्यालय, लक्ष्मिनिया दो.मे मंगरके एक महत्वपूर्ण बैठक सम्पन्न भेल हए ।

बैठकके अध्यक्षता नगरस्तरीय भुमिहिन तथा अव्यवस्थित बसोबासी व्यवस्थापन सहजीकरण समितिका संयोजक तथा कार्यवाहक नगरप्रमुख अमबेया खातुन कएले रहलन ।

बैठकमे कार्यवाहक नगरप्रमुख खातुन भूमिहिन तथा अव्यवस्थित बसोबासी समस्याके नगरपालिकाके प्राथमिक एजेन्डाके रूपमे लेके समाधानतर्फ गम्भीर पहल करेके बतएलन । हुन कहलन, “समाजके सभि वर्गके सम्मानके साथ आवासके अधिकार सुनिश्चित करनाई हमनीके प्रमुख दायित्व हए ।

एई प्रक्रियामे पारदर्शिता, समावेशिता आ निष्पक्षताके आधारमे काम अगाडि बढावल जाई ।“ बैठकमे भूमिहिन समस्या समाधानके लेल विभिन्न प्रस्तावसब प्रस्तुत करके विस्तृत छलफल कएल गेल रहे । सम्बन्धित पक्षसंघे समन्वय करईत आवश्यक नीतिगत तथा कार्यान्वयन योजनासब तयार कएलजाएके निर्णय बैठकसे कएल गेल हए ।

खातुनके नेतृत्वमे बईठल एई बैठकके नगरपालिकाके सामाजिक न्याय प्रवद्र्धन करेके महत्वपूर्ण कदमके रूपमे लेल गेल हए । हुन आगामी दिनसबमे और प्रभावकारी रूपमे भूमिहिन समस्याके समाधानतर्फ अगाडि बढेके प्रतिबद्धता भि जनएलन ।