आरके श्रीवास्तव,राैतहट,१९ गते साउन ।

राैतहटके फतुवा बिजयपुर नगरपालिकामे आईसे विश्व स्तनपान सप्ताह सुरु कएलगेल हए । नगरपालिकाके स्वास्थ्य शाखा आयोजना कएले उक्त कार्यक्रम स्वास्थ्य शाखा प्रमुख प्रमोद गुप्ता आ स्वास्थ्य सहसंयाेजक रमेश प्रसाद यादव उद्घाटन कएले हए । यादवके अनुसार स्तनपान सप्ताह सावन १६ गतेसे २२ गतेतक मनाबेबाला हए ।

नगरपालिकाका ८ आठु स्वास्थ्य संस्थासबमे एकैसाथ स्तनपान सप्ताह मनावलजारहल हए । कार्यक्रम अन्तर्गत ‘सुनौलो हजार दिन’ अन्तर्गतके आमासबके स्तनपानके महत्वबारे जानकारी कराबेके उद्देश्य राखलगेल हए ।

कार्यक्रममे आमासबके बच्चा जन्मल १ घण्टाभित्रे आमाके पहिल बिगाैती दूध खुवाबेके, ६ महिना तकके बच्चाके मात्र आमाके दूध खुवाबेके ,६ महिनाबाद स्तनपानसंघे फलफूल, लिटाे, गेडागुडी, माछामासु जईसन पौष्टिक खाना खुवाबेके सन्देश देले हए ।

फतुवा बिजयपुर नगरपालिकाके कार्यवाहक नगर प्रमुख अम्बेया खातुन स्तनपान सप्ताह जईसन कार्यक्रमसब मातृत्व स्वास्थ्य आ शिशु विकासमे बरका टेवा पुगेके बताबईत कहलिन, “हमनी नगरपालिकास्तरसे आमासबके स्तनपानके महत्व बुझाबेके येईसन जनचेतनामूलक कार्यक्रमके निरन्तरता देबेबाला वारि । स्वस्थ आमा आ बच्चा हि स्वस्थ समाजके आधार हए ।”
सप्ताहभर विभिन्न सूचना, परामर्श सेवा, समुदायस्तरीय अन्तरक्रिया कार्यक्रम लगायतके गतिविधिसब सञ्चालन करेके जनएले हए ।