आरके श्रीवास्तव,राैतहट,१९ गते साउन ।
रौतहट जिल्लाके गुजरा नगरपालिका वडा नं. ८ मे अवस्थित केवल राम सुरत क्याम्पसके समिति पुनः गठन कएलगेल हए । ऐतबारके सम्पन्न विशेष कार्यक्रम मार्फत क्याम्पस समितिके अध्यक्षमे गुजरा नगरपालिकाके नगर प्रमुख सन्तलाल चौधरीके पुनः दोसरका कार्यकालके लेल सर्वसम्मत चयन कएलगेल हए ।
उक्त कार्यक्रम नेपाल सरकारके पूर्व संविधानसभा सदस्य तथा जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) के राष्ट्रिय उपाध्यक्ष गोविन्द चौधरीके विशेष उपस्थिति तथा आतिथ्यतामे सम्पन्न भेल हए ।
नवनिर्वाचित क्याम्पस समितिमे सदस्यसबमे राष्ट्रिय सभा सदस्य पुजा चौधरी,हविव मिया मंसुरी,रामाअश्रे चौधरी,खुबल चौधरी आ पुनित राम रहल हए ।
क्याम्पस प्रमुखके जिम्मेवारी रामेश्वर चौधरीके देले हए आ शिक्षक प्रतिनिधिके रूपमे उपेन्द्र मिश्राके सहभागिता रहल हए । विद्यार्थी प्रतिनिधिके रूपमे सरिता कुमारी लगायत अन्य प्रतिनिधिसब चयन कएलगेल हए ।
नवगठित समितिके हार्दिक बधाई तथा सफल कार्यकालके शुभकामना व्यक्त करईत कार्यक्रममे बोलेबाला वक्तासब क्याम्पसके शैक्षिक गुणस्तर सुधारमे समिति आउरी बेसी सक्रिय हाेेके काम करेके अपेक्षा राखले हए ।

