आरके श्रीवास्तव,राैतहट,१८ गते साउन ।
रौतहट । उखु उत्पादक संघ रौतहट जिल्ला प्रशासन कार्यालय मार्फत प्रधानमन्त्री समक्ष ज्ञापनपत्र बुझाबईत आर्थिक वर्ष २०८१/८२ के बाकी रहल उखु अनुदान रकम तत्काल भुक्तानी करेला माग कएले हए । संघ प्रति क्विन्टल ७० रुपैयाके दर हाेईबाला करिब १ अर्ब ६० करोड रुपैया अनुदान सरकार अभिभि नदेले कहईत चिनी उद्योगसे भुक्तानी भेलापर भि सरकारी अनुदान रोकले जनएले हए ।
सर्लाहीके हरिवनमे बईठल नेपाल उखु उत्पादक महासंघके बैठक निर्णयअनुसार संघ प्रधानमन्त्रीके ध्यानाकर्षण कराबईत उख अनुदान आ आगामी मूल्य निर्धारणके लेल त्रिपक्षीय वार्ता कराबेला भि आग्रह कएले हए ।
किसानसब विगतमे आन्दोलनसे अनुदान व्यवस्था लागू कएले स्मरण कराबईत संघ अगर माग सम्बोधन नभेलापर चरणबद्ध आन्दोलन करेके चेतावनी देले उखु उत्पादक संघ राैतहटके अध्यक्ष अशाेक प्रसाद जानकारी करएले हए ।
पहिल चरणमे सावन १८ गते जिल्ला प्रशासन कार्यालयमार्फत ज्ञापन पत्र, साउन २० मा चिनी उद्योग अगाडि प्रदर्शन, आ भादाे ८ से माईतीघर मण्डलामे धर्ना कार्यक्रम घोषणा कएलगेल हए । ज्ञापनपत्र बुझाबेके क्रममे नेता वृजकिशाेर यादव,रामभराेस यादव लगायतके व्यक्तिसब सहभागी रहे ।

