प्रेमचन्द्र झा, साउन १८ गते रौतहट ।

राजदेवी नगरपालिका–१ निवासी प्रभु राय यादव सूचना अधिकार ऐन २०६४ के दफा ३ अनुसार राजदेवी नगरपालिकासंघे विभिन्न विकास योजनासब, खर्च विवरण, कर्मचारी नियुक्ति, स्वास्थ्य सेवा, कृषि कार्यक्रम, सञ्चारमाध्यमके वितरण कएल रकमलगायतके विषयमे विस्तृत १३ बुदे सूचना माग कएले हए ।
हुन मिति २०८२ साल सावन ४ गते नगरप्रमुख तथा प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत समक्ष निवेदन देइत नगरपालिकासे विद्यालयसबमे छात्रवृत्ति, खाजा, विज्ञान प्रयोगशाला जइसन शीर्षकसबमे केताना रकम खर्च भेल, कउन विद्यालयमे केताना रकम विनियोजन कएलगेल हए कहके विवरण माग कएले हए । साथे, विद्यालयसबमे हाल केताना बालबालिका हए, राहत तथा अनुदान कोटाके संख्या केताना, ओकर विवरण भि हुन माग कएले हए ।

२०७९ सालसे हालहि विद्यालयसबमे केताना बजेट विनियोजन कएलगेल हए, कउन शीर्षकमे केताना खर्च भेल हए आ कार्यक्रमगत विवरण माग कएलगेल हए । ओइसहि, वडा नं. १ से ९ तकके विद्यालय, स्वास्थ्य चौकी तथा वडा कार्यालयसबमे करार तथा नया रूपमे केताना नियुक्ति भेल हए, कउन पदमे कउन–कउन नियुक्त भेल हए आ नामावलीसहितके सूचना माग कएलगेल हए । राजदेवी नगरपालिका नगरस्तरीय योजना अन्तर्गत कउन–कउन वडामे केताना योजना सञ्चालन कएले हए आ विवरण भि माग कएले हए ।

स्वास्थ्य क्षेत्रमे २०७९ सालसे अभितक केताना बजेट छुट्यएले हए, आयुर्वेदमे केताना रकम विनियोजन भेल हए, कउन किसिमके औषधिसब उपलब्ध हए कहके विवरण भि पुछलगेल हए। साथे, नगरपालिकासे कृषि क्षेत्र अन्तर्गत धान आ गहुके बीया, मोटर, बोरिङ्ग, च्यास्फर्म, पोल–तार वितरण कएलगेल कागजात मागलगेल हए । बेरुजुसम्बन्धी विवरणमे नगरपालिकामे अभितक केताना बेरुजु हए, पहिलके केताना रहे, फछ्र्यौट भेल रकम केताना हए आ कउनो कर्मचारी वा व्यक्तिके नाममे केताना बेरुजु रकम हए कहके विस्तृत विवरणसहित नामावली माग कएलगेल हए ।

नगरपालिकासे टिपर, डोजर, कल्टिभेटर, एम्बुलेन्सलगायतसे २०७९ सालसे अभितक केताना आम्दानी कएले हए कहके विवरण भि उक्त निवेदनमे समेटलगेल हए ।

वडा नं. १ मे २०७९ सालसे अभितक कउन शीर्षकमे केताना रकम बजेट कएलगेल हए, कार्यालयके महिनाके भाडा, रंगरोगनके खर्च, अफिस सञ्चालन खर्चजइसन विवरण भि समावेश हए । श्री माध्यमिक विद्यालय पथरामे २०७९ सालसे अभितक कउन शीर्षकमे केताना रकम खर्च भेल हए कहके विवरण आ ओकर नामावलीसमेत माग कएलगेल हए । अन्त्यमे, नगरपालिकासे सञ्चारमाध्यमके देल रकम केताना हए, कउन मिडियाके केताना देले हए कहके नामावलीसहितके विवरण भि यादव माग कएले हए । निवेदक प्रभु राय यादव नागरिक सूचनाके हक प्रयोग करके सार्वजनिक निकायके पारदर्शिता आ जवाफदेहितामे नागरिक निगरानीके अभ्यास करे सकेके बताबइत येइसन माग करनाइ नागरिकके अधिकार मात्र नहोके कर्तव्य भि भेल उल्लेख कएले हए ।

यादव कहलन अनुसार, निवेदन दर्ताके लेल सावन ४ गतेसे पाच दिनतक बेर–बेर कार्यालय जाचुकलाकेबाद बल्ल सावन १८ गते आइतवार निवेदन दर्ता कएले हए । प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत प्रलव कायस्थ नगरपालिकाके अधिकांश कर्मचारी भारतके देवघरलगायतके स्थानमे तिर्थ करे गेल होएलापर सूचना पाबेला अभि महिना दिन लागे सकेके प्रतिक्रिया देले हए । यादव नगरप्रमुख भिखारी यादवके समेत यस विषयमे जानकारी कराचुकल बतएले हए । सूचना अधिकार ऐन २०६४ अनुसार, निवेदन परल मितिसे १५ कार्य दिनभित्र आवश्यक सूचना उपलब्ध कराबेके कानूनी व्यवस्था रहल हए ।

अगर उ समयमे भि सूचना प्राप्त नभेलामे राष्ट्रिय सूचना आयोगमे उजुरी दिन सकेके प्रावधान हए । इ घटना जनता सार्वजनिक कार्यालयउपर निगरानी राखेके, बजेट पारदर्शिता माग करेके आ सुशासन सुनिश्चित करेला सूचना हकके प्रभावकारी रूपमे प्रयोग करे लागल हए स्पष्ट सङ्केत देले हए ।