चन्दन यादव, राैतहट, १४ गते साउन ।
गुजरा नगरपालिकासे सामाजिक सुरक्षा भत्ताके चौथा किस्ताके रकम २०८२ साल असार १२ गते एनआईसी एशिया बैंक सिमराभवानीपुर शाखामा पेठाएल गेल भेलापर भि अभितक वितरण हाेए नसकल कहईत स्थानीय लाभग्राहीसब मारमे पडल हए ।
नगरपालिकाके कार्यपालिका सदस्य विजय साह बाँनिया एई विषयमे बैंकके चरम लापरवाही रहल कहईत गम्भीर ध्यानाकर्षण करएले छत् । हुन कहलन,”एनआईसी एशिया बैंकके चरम लापरवाही आ नगरपालिकाके समन्वयके कमीके कारण ज्येष्ठ नागरिक, अपाङ्गता भेल व्यक्ति, एकल महिला, तथा बाल पोषण भत्ता अभितक वितरण हाेएनसकल हए । ई गम्भीर विषय हए आ सम्बन्धित निकायके तुरनत ध्यान जानाई आवश्यक हए ।”
एई विषयमे एनआईसी एशिया बैंक सिमराभवानीपुर शाखाके शाखा प्रबन्धक एम.डी. सदाब प्रवेज कहलन,
“नगरपालिकासंघेके छलफलबाद मात्र भत्ता वितरण हाेईअ । नगरपालिका असार १२ आ १३ गते रकम पेठाएल भेलापर भि अभितक सावन १४ भेलापर भि वितरण प्रक्रिया पुरा हाेए नकसल हए । सावन महिनामे नगरपालिकासंघे समन्वय करके मात्र वितरण कएल जाई ।”
एने, गुजरा नगरपालिकाके पञ्जीकरण शाखा प्रमुख मेराज आलम कहलन चौथाे किस्ताके रकम लाभग्राहीके खातामे पठाचुकल जानकारी देलन । हुन कहलन,
“नगरपालिका रकम पेठाचुकल हए आ वितरण प्रक्रिया भि अगाडि बढचुकल हए । बैशाख, जेठ, आ असार महिनाके बाँकी किस्तासब क्रमशः लाभग्राहीके खातामे जल्दीए भेजल जाई । शाखा मेनेजरसे भि एई विषयमे बातचित भेल हए ।”
स्थानीय लाभग्राहीसब अभिभि भत्ता नमिलल गुनासो कररहल हए । बहुतेक जना अस्पताल जाएके,दवाई किनेके, घरखर्च चलाबेके अवस्थामे भि भत्ता नआएल कहईत असन्तुष्टि जनएले हए ।
सामाजिक सुरक्षा भत्ता जईसन जीवनयापनसे प्रत्यक्ष सम्बन्धित योजनामे ढिलासुस्ती हाेनाई सरकार आ बैंक दुनुके जिम्मेवारीउपर प्रश्न उठाबेके विषय बनल हए । सम्बन्धित निकाय तत्काल समस्या समाधान करके लाभग्राहीके राहत देबेके आवश्यक देखलगेल हए ।

