रामअधार प्रसाद यादब,रौतहट,१५ गते बैशाख

नेपाली काँग्रेसके सभापति गगनकुमार थापा बुधके दिन सर्लाही पुगरहल छत । अपना मतदाताके धन्यवाद देबेके लेल सभापति थापा सर्लाही पुगरहल खबर प्राप्त भेल हए । बितल फागुन २१ मे सम्पन्न

चुनावमे सर्लाही क्षेत्र नम्बर ४ से उम्मेदवार रहल थापा चुनावके बाद पहिलबेर सर्लाही पुगरहल छत । सर्लाहीके धनकौल बजारमे रहल पार्टीके ४ नम्बर क्षेत्रीय समितिके आयोजनामे होएवाला मतदाता धन्यवाद ज्ञापन आ जरा अभियान कार्यक्रमके सम्बोधन करेला सभापति थापा सर्लाही पुगरहल छत ।